मधुबनी जिलान्तर्गत अवारी गामक बेटी सोनी नीलू झा मैथिली रंगमंच स' ल' क' मैथिली साहित्यक एक परिचित नाम बनि गेल छथि. दिल्ली प्रवास मे एक कुशल गृहिणीक रूप मे पारिवारिक जिम्मेदारिक निर्वहन करैत सोनी नीलू केँ कएक बेर घर सँ बहरा किछु करबाक उत्कंठा मैथिली रंगकर्मक सुप्रसिद्ध रंगमंडल मैलोरंग सँ २०१६ मे जोड़लकनि आ एतहि सँ रंगयात्रा प्रारंभ करैत निरंतर आगाँ बढ़ैत रहलीह. रंगमंचीय सक्रियताक कारणे मैलोरंग सँ ल' एनएसडी आ मैथिली स' हिन्दीक मंच धरि कतेको मंच पर नाटक, लघु नाटिका, कथा मंचन आदिक माध्यम सँ अपन उपस्थिति दर्ज करौलनि.
डॉ. प्रकाश झा, प्रो. राजेश खन्ना सहित अनेको चर्चित निर्देशकक
निर्देशन मे काज करबाक अवसर प्राप्त छनि जेकि निर्बाध गतिए वर्ष २०१९ धरि चलैत रहलनि
आ तकराबाद हिनक रूचि साहित्य सृजन मे सेहो अनवरत बढ़ैत चल गेल आ इयह कारण अछि जे विभिन्न
साहित्यिक एवं सांस्कृतिक गतिविधि मे सक्रिय देखल जाइत छथि.
साहित्य आ रंगमंचक प्रसिद्ध संस्था 'अपराजिता' दिससँ आयोजित
कार्यशाला मे छोट-छोट धियापुताकेँ लेखन ओ नाट्य प्रशिक्षण. मैथिलीक विभिन्न विधा मे
दिल्ली बहुतायत संख्या मे आयोजित कार्यक्रम मध्य बाल-बुदरुक केंद्रित कार्यक्रमक खगता
केँ देखैत एकेडमी ऑफ़ लिटरेचर, आर्ट एन्ड कल्चरक तत्त्वाधान मे 'बाल साहित्योत्सव'क
आयोजन क' एक नव अध्याय शुरू करबामे सेहो सफल रहलीह.
रंगयात्रा लेल वर्ष २०१९ मे 'मिथिला विभूति मांगनि खबास'
सम्मान, वर्ष २०२० मे दिल्ली सरकार दिस सँ स्ट्रीट थियेटर लेल एक सालक फेलोशिप प्राप्त
सोनी नीलू साहित्य सृजन मे सेहो देखिते दिनमे बेस चर्चा मे एलीह जकर फलस्वरूप वर्ष
२०२१ हिनक कविता संग्रहक पोथी 'औनी-पथारी' प्रकाशित भेल आ साहित्यक प्रसिद्ध संस्था
'मैथिली साहित्य महासभा,दिल्ली' द्वारा वर्ष २०२१क मैसाम युवा सम्मान हेतु हिनक उक्त
पोथी चयनित भेल. मैथिलीक विभिन्न प्रतिष्ठित पत्र पत्रिका मे कविता,कथा,आलेख,पोथी परिचय
आदि प्रकाशित होइत रहैत छनि.
बहुआयामी प्रतिभाकेँ समेटने सोनी नीलू एक कुशल गृहिणी
सँ मंच आ मंच सँ साहित्य सृजन मे एतेक शीघ्रता सँ जगजियार हएब केँ कोनो चमत्कार नहि
अपितु सामाजिक विश्वासक प्रतीक मानै छथि. एखनधरिक उपलब्धि हेतु अपन माता-पिता, पति
आ गुरुजनक प्रति कृतज्ञ होइ छथि जे हिनका लोकनिक सहयोग सँ सभ किछु संभव भ' रहल अछि.
No comments:
Post a Comment