भाषा सेवा लेल आंशिक योगदान, अपने लोकनिक अवलोकनार्थ। क्लिक कय पढ़ल/देखल/सुनल जा सकैत अछि :

रिपोर्ट (63) अखबारक पन्ना (33) ऑडियो/वीडियो (21) मैथिली नाटक (19) कथा मैथिली (18) मैलोरंग (16) मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश (14) दैनिक जागरण (12) मैसाम (10) मैथिली फिल्म (8) साक्षात्कार (8) मैथिली-भोजपुरी अकादमी (6) आलेख (5) ऑफिसक अवसर विशेष पर (3) झलक मिथिला (3) नवभारत टाइम्स (3) पाठकीय प्रतिक्रिया (3) बारहमासा (3) मैथिली पोथी (3) अखिल भारतीय मिथिला संघ (2) अछिञ्जल (2) अपराजिता (2) कथा मंचन (2) दीपक फाउंडेशन (2) मिथिला स्टूडेंट यूनियन (2) मिथिलांगन (2) मैथिली पत्र-पत्रिका (2) मैथिली लघु फिल्म (2) यात्रा संस्मरण (2) विश्व मैथिल संघ (2) सम्मानक सम्मानमे (2) हिन्दुस्तान टाइम्स (2) अस्मिता आर्ट्स (1) एकेडमी ऑफ़ लिटरेचर आर्ट एंड कल्चर (1) डी डी बिहार (1) देसिल बयना हैदराबाद (1) धूमकेतु आर्ट्स (1) भारती मंडन (1) मिथिला मिरर (1) मिनाप (1) मैथिली एलबम (1) मैथिली कथा (1) मैथिली जिन्दाबाद (1) मैथिली धारावाहिक (1) मैथिली पत्रकार (1) मैथिली लोकमंच (1) मैथिली संबोधन (1) विदेह (1) साझी धुआँ (1) साहित्य अकादेमी (1) साहित्यिक चौपाड़ि (1) स्वरचित (1) हिन्दी नाटक (1)

मुख्य पृष्ठ

Friday, May 25, 2018

मैथिली लघु फिल्म 'इतिहास (द प्राइड ऑफ मिथिला)' केर स्क्रीनिंग शो


चमन टेलीमीडिया प्रस्तुत वीर लोरिकक कथांश पर आधारित अनिल मिश्रा, जानबी झा, मुन्ना चमन,अतुल आदि अभिनीत आ किसलय कृष्ण निर्देशित मैथिली लघु फिल्म 'इतिहास (द प्राइड ऑफ मिथिला)' केर स्क्रीनिंग शो दीनदयाल उपाध्याय मार्ग,दिल्ली स्थित राजेन्द्र भवन मे संपन्न भेल। समारोहक प्रारम्भ गोसाओनिक गीत जय-जय भैरवि सँ भेल आ तदुपरान्त अतिथि लोकनिकेँ स्मृति चिन्हक रूपमे इतिहासक प्रिंटेड कप दय सम्मानित कएल गेल।

स्वागत भाषण इतिहास फिल्मक अभिनेत्री जानबी झा द्वारा कएल गेल। फिल्मक निर्देशक किसलय कृष्ण एहि फिल्मक निर्देशकीय अनुभव विस्तृत रूपमे साझा केलनि। मुख्य अतिथि डॉ. शेफालिका वर्मा, विशिष्ट अतिथि नीरज पाठक (उपाध्यक्ष मैथिली-भोजपुरी अकादमी), उद्घाटनकर्ता विनोद कुमार झा, सत्रक अध्यक्षता वरिष्ठ अभिनेता शुभ नारायण झा आ दिल्ली एनसीआर मे किछु गणमान्य व्यक्तित्व जे प्रायः मिथिला-मैथिली सँ जुड़ल प्रत्येक कार्यक्रम मे उपस्थिति रहैत अछि हुनका लोकनिक सान्निध्यमे २८ मिनटक फ़िल्म प्रदर्शनक उपरान्त परिचर्चाक क्रममे किछु त्वरित आ महत्त्वपूर्ण प्रतिक्रिया सेहो भेटल। वक्ता लोकनि नीक-बेजाए कएक टा पक्ष पर अपन-अपन दृष्टिकोण रखलनि। जानबी झा आ अतुल दू गोट कलाकार शूटिंग मे भेल अपन अनुभव सेहो साझा केलनि।

सञ्चालनक जिम्मा मनीष झा बौआभाइ केँ देल गेल छल आ अंत मे शुभनारायण झाक अध्यक्षीय वक्तव्य उपरान्त फ़िल्म निर्देशक आ एहि समारोहक आयोजक किसलय कृष्ण द्वारा धन्यवाद ज्ञापित कएल गेल। ए. के. दास आ रामबाबू सिंह मधेपुरक संयोजनमे आयोजित समारोह सफलतापूर्वक संपन्न भेल।

Monday, May 21, 2018

गजब केँ रूप सजेने छी : अमर आनन्द


'गजब केँ रूप सजेने छी' मनोज झाजी केर कलम सँ निकलल शब्दकेँ संगीतबद्ध केने छथि रजनीश मिश्रा जकरा सुमधुर स्वर सँ सुसज्जित केने छथि अररिया जिलाक रानीगंजक संगीतसेवी अमर आनन्द आ तकरा अपन अभिनय सँ जीवन्त करबामे सहयोग केने छथि फारबिसगंज निवासी युवा अभिनेता आमिर समर खान आ अभिनेत्री लजीना सुबेदी जकर निर्देशन केने छथि संतोष सरकार। एकमात्र गीतक शूटिंगमे ड्रोन,कैमरा, नृत्य, मेकअप, अभिनय, लोकेशन, वस्त्र-विन्यास आदिकेँ जाहि उपयुक्तताक संग प्रयोग कएल गेल अछि संभवतः कएक टा मैथिली फीचर फिल्म मे एहेन प्रयोग नहि देखबामे अबैछ।

विगत तीन दिनमे एक मात्र गीतकेँ करीब दस बेर सँ बेसी सूनि चुकल छी। कारण? कारण स्पष्ट अछि जे एहेन सुन्नर गीत,संगीत,स्वर,अभिनय आ तकनीकक पूर्ण उपयोग कम्मे देखबामे अबैछ। भाषाक अस्मिता बचेबा लेल आवश्यक अछि आधुनिकताक संग-संग अपन संस्कारक सेहो संरक्षण हुअए। एखन एहि गीत मात्र पर केंद्रित प्रतिक्रिया,एकरा कोनो आन संदर्भ सँ नै जोड़ल जाए।

ई बात सत्य अछि जे एहि मैथिली एलबमक एक्कहु टा कलाकार वा तकनीकी टीम सँ प्रत्यक्ष वा परोक्षहु रूपे हमर कोनो संबंध/परिचय नहि अछि मुदा तैयो ई पोस्ट करबा लेल बाध्य भेलौं। कहिक' प्रतिक्रिया लेबाक होड़ मे दिन भरिमे कतेको व्हाट्सएप माध्यम सँ गीत सभक लिंक भेटैत अछि, एक त' समयाभाव आ दोसर मनोनुकूल गीत/वीडियो नै भेटला पर ओत्तहि बिसरि जाएब उपयुक्त बुझना जाइत अछि।

एहिमे कोनो दूमत नहि जे आजुक समय मे मैथिली गीत-संगीत सँ बहुत कलाकार लोकनिक रोजी-रोजगार चलि रहल छनि। जँ अपन भाषा सँ लोकक रोजी-रोजगारक चलय त' एहि सँ सुखद आर की! विगत किछु वर्ष मे नवागन्तुक कलाकार लोकनिक संख्यात्मक वृद्धि सेहो देखबामे खूब अबैछ मुदा गुणात्मक स्तर पर दू-चारि साल मे एकबेर कहियो तेहेन सन कर्णप्रिय गीत सुनबामे अबैत अछि। एक सामान्य श्रोताक रूपमे जँ किनको शब्द रूचैत अछि त' स्वर खटकैत अछि, जँ शब्द आ स्वर रूचैत अछि त' धुन खटकैत अछि आ जँ एहि तीनू सँ संतुष्टि भेटैत अछि त' वीडियो खटकैत अछि। कहबाक अभिप्राय जे आधुनिक तकनीकी जुगमे मैथिली गीत-संगीत मे उपरोक्त सभ तथ्यकेँ समावेश करबाक क्षमता अछि हमरा लोकनि मे मुदा अल्प समय मे अत्यधिक प्रसिद्धि सन महत्त्वाकांक्षा नहि त' कलाकारकेँ दीर्घकालीन रोजगार दय सकैत छनि आ नहि हुनका द्वारा भाषा संरक्षण-संवर्धनक कोनो तेहेन ठोस आसे कएल जा सकैछ। नीक वस्तु सोझा रखबै त' हम नहि, अहाँ नहि मुदा कियो ने कियो कहतै जरूर वाह !वाह !

Sunday, May 20, 2018

इतिहास (द_प्राइड_ऑफ_मिथिला)


मैथिली लघु फिल्म इतिहासक जानकारी भेटैत अछि सन् १९८८ मे बनल 'यक्ष प्रश्न' सँ, तकरा बाद किछु-किछु समयांतराल पर लघु फ़िल्म अबैत रहल जेना 'अफ़वाह', 'कमला', 'द सस्पेक्ट', 'रक्ततिलक', 'कवि-कल्पना' आदि किछु लघुफ़िल्म जे वैश्विक स्तर पर प्रदर्शित आ प्रशंसित होइत रहल अछि। एहने कड़ी केँ आर बेसी मजबूती प्रदान करैत 'वीर लोरिक'क जीवन कथांश पर आधारित 'चमन टेलीमीडिया' केर प्रस्तुति, किसलय कृष्ण निर्देशित एवं अनिल मिश्रा, जानबी झा, मुन्ना चमन आदि अभिनीत मैथिली लघुफ़िल्म #इतिहास (द प्राइड ऑफ मिथिला)' आगामी २५ मई २०१८ क' (शुक्रदिन) दिल्लीमे पहिल शो आयोजित होमय जा रहल अछि।

दिल्लीमे आयोजित आजुक साहित्यिक चौपाड़ि सँ फारकैत भेटैत जे सभसँ पहिल सुखद समाद भेटल से छल लघु फ़िल्म #इतिहास'क निर्देशक किसलय कृष्ण सँ व्हाट्सएप केर माध्यम सँ ई टीजर एहि विश्वासक संग भेटब जे अनुज एकरा सोशल नेटवर्क पर पहिल रिलीजिंग अहीँक वॉल सँ हेबाक चाही। अपनेक एहि विश्वास हेतु हृदय सँ साधुवाद अग्रज!

एकर पहिल लुक देखलाक बाद एहि बात सँ आश्वस्त भेलौं जे जखन ई सम्पूर्ण रूपमे प्रदर्शित हएत त' एकहक दर्शकक ठोर चढ़त आ मैथिली लघु फिल्मक इतिहास मे 'इतिहास' एक सार्थक डेग सिद्ध हएत। समूचा टीमकेँ हार्दिक बधाइ आ मंगलकामना!

फ़िल्मक टीजर देखलाक बाद युवा अग्रज साहित्यकार अजित आजाद जीक महत्त्वपूर्ण प्रतिक्रिया :
"फिल्मक पर्दा पर मिथिलाक इतिहास अदौ सँ उपेक्षित रहल अछि। एहेन मे ई फ़िल्म अपन इतिहास-बोध आ अस्मिताक दृष्टिकोण सँ ऐतिहासिक उपलब्धि थिक। मिथिलाक कोन-कोन मे ई फ़िल्म देखाओल जयबाक चाही। विद्यापति समारोह मे अनिवार्य रूप सँ ई फ़िल्म देखेबाक व्यवस्था होइक। एकर फिल्मांकन उत्कृष्ट उत्कृष्ट अछि। डार्क आ चटख रंग दृश्य सभ केँ प्रभावी बनबैत अछि। मंगलमय अशेष शुभकामना।"

Saturday, May 12, 2018

प्रसंगवश मोदी जीक मैथिली संबोधन


एक लगनशील आ कर्मठ युवा जे कॉलेजक समयमे हमर जूनियर रहथि। कहियोकाल किछु मार्गदर्शन द' सहयोग क' देल करियनि। सिनेहवश कखनो भैया कहथि आ कखनो गुरू सेहो मानि लेथि। हुनक कठिन संघर्षक साक्ष्य रहल छी। मधुबनी छोड़लाक बाद कोनो सम्पर्क नहि। पनरह बर्खक बाद दिल्लीमे एकदिन कोनो कार्यक्रममे अनायास भेट होइ छथि। कार्यक्रम समापनोपरांत दू घंटा धरि ठाढ़े-ठाढ़ बहुत रास गप्पसप्प भेल। अपन संघर्षक बले वर्तमानमे आर्थिक रूपे सुव्यवस्थित भ' गेल छथि। एहेन लोक जखन आर्थिक रूपे सम्पन्न होइ छथि त' समाजसेवा प्रति जागरूक होइ छथि आ ताहि लेल लोक राजनीतिकेँ रुट बना किछु करबाक यत्न करै छथि। हिनको संग सएह भेल।

२०१५ मे विधानसभा चुनाव लड़बा लेल पहिनहि सँ फाँड़ बान्हि तैयार रहथि। हमरा सँ बैनर-पोस्टर आदि लेल उपयुक्त सामग्री लेखन हेतु अपेक्षा भावे अनुरोध केलनि। सहर्ष स्वीकारि लेलियनि। हम अपन शर्त राखि देने रहियनि जे हम मात्र मैथिलीमे लीखिक' देब। शर्त मानि त' लेलनि मुदा स्थानीय संगतक असैर सँ मैथिली प्रति कठोर सन। तर्क इएह जे भैया अहिठाम कियो मैथिलीमे बैनर-पोस्टर पसीन नहि करै छथिन। घोर आश्चर्य भेल जे हमर जाहि वस्तुक मोल दुनियाँ बुझैत अछि ताहि वस्तुक प्रति अपनहि समाङ्ग मे एत्ते हीनभावना? हमर तर्क छल जे अहाँ हटिक' किछु करू,अपन वस्तुक मोल अपनहि बुझू आ अपन लोककेँ बुझाउ। अपन भाषा सँ लोककेँ आर बेसी आत्मीयताक बोध होइत छैक, अहाँक लगीच आबि सहयोगात्मक भाव सँ जुड़ता, मुदा......अंत-अंत धरि हमरा ओएह सुनाओल जाइत रहल जे हम नहि त' सुनबा लेल तैयार आ ने ओ बुझबा लेल तैयार। अन्ततः हम अपन सिद्धांत पर अडिग रहलौं आ ओ रांगल सियारक संग रंगाइत रहला,अस्तु!

माननीय प्रधानमंत्री मोदी जीक मैथिली संबोधनकेँ चाहे जाहि कोनो राजनीतिक परिप्रेक्ष्यमे देखल जाइत हो मुदा मिथिला क्षेत्रक स्थानीय नेताक मुँह पर प्रत्यक्षतः कारिख पोति आइना सेहो देखौने गेलाह। जनप्रतिनिधिक मतलब मात्र ई नै होइ छै जे राज्य वा केंद्रीय स्तर पर परिचयात्मक घनिष्ठता बढ़ला सँ जीवनक एकपक्षीय उद्देश्य पूर्ति भ' जाए। महत्त्व रखैत छै जे अहाँ स्थानीय लोक,संस्कृति,भाषा आदिक संरक्षण ओ संवर्धन हेतु कतेक सजग छी। राष्ट्रीय मीडियाक कवरेज मे एबा लेल शपथ चाहे मैथिलीमे लैत होइ मुदा किछु अपवाद छोड़ि अधिकाधिक जनप्रतिनिधिक चुनाव प्रचारक पोस्टर,बैनर,विज्ञापन, संबोधनमे मैथिलीक कोनो स्थान नहि देखि दुःख होइत अछि।

Sunday, May 06, 2018

'दीपक फाउंडेशन' द्वारा आयोजित 'संस्कृति एवं सभ्यता संरक्षण समारोह’

मावलंकर हॉल,कॉन्स्टिट्यूशन क्लब,दिल्लीमे 'दीपक फाउंडेशन' द्वारा आयोजित 'संस्कृति एवं सभ्यता संरक्षण समारोह'क अवसर पर मुख्य अतिथि डॉ. मुरली मनोहर जोशी, राज्यसभा सांसद प्रभात झा, दिल्ली भाजपा प्रदेश अध्यक्ष मनोज तिवारी,पूर्व सांसद महाबल मिश्रा सहित अनेको गणमान्य अतिथिक उपस्थिति रहल। स्वस्तिवाचन ओ दीप प्रज्ज्वलन सँ प्रारम्भ भेल एहि कार्यक्रमक स्वागत भाषण दीपक फाउंडेशन केर संस्थापक दीपक झा द्वारा कएल गेल। सभ्यता एवं संस्कृति विषय पर केंद्रित अतिथि लोकनिक वक्तव्य सारगर्भित रहल। उत्तराखंडक कलाकार समूह द्वारा नन्दा देवी यात्राक झाँकी सेहो आकर्षक रहल। ज्ञात हो कि कार्यक्रम मध्य नृत्य आ संगीतक क्रममे अन्यान्य राज्यक पारंपरिक नृत्य प्रस्तुति आ गायन मे मैथिलीक सुपरिचित गायक दिलीप दरभंगियाक हिन्दी-मैथिली मिश्रित गीतक प्रस्तुति सेहो रोचकता बनौने रखलक। सामाजिक क्रियाकलापमे सक्रिय किछु संस्थाक व्यक्तिकेँ सेहो मंच सँ शॉल आ स्मृतिचिन्ह सँ सम्मानित कएल गेल।
उक्त कार्यक्रम मध्य अर्चना भगवान जी मिश्र द्वारा अनुदित मैथिली सुन्दरकाण्डक पोथी आ दिलीप दरभंगियाक स्वरमे गाओल सीडी केर विमोचन सेहो कएल गेल। फाउंडेशन राष्ट्रीय स्तरक कार्यमे अपन संलग्नता रखैत अछि मुदा आजुक कार्यक्रममे दर्शकक उपस्थिति ९५% विशुद्ध मैथिलक छल जकर प्रमाण सांसद प्रभात झाक वक्तव्यक समय स्पष्ट देखना गेल,जाहिमे एक स्वरमे हुनका मैथिलीमे बजबा लेल निवेदन कएल गेल आ तदनुसार ओ एकरा आदरपूर्वक स्वीकारलनि। भव्यताक संग सम्पन्न ई आयोजन अनेकानेक दृष्टिकोण सँ सफल रहल।