भाषा सेवा लेल आंशिक योगदान, अपने लोकनिक अवलोकनार्थ। क्लिक कय पढ़ल/देखल/सुनल जा सकैत अछि :

रिपोर्ट (63) अखबारक पन्ना (33) ऑडियो/वीडियो (21) मैथिली नाटक (19) कथा मैथिली (18) मैलोरंग (16) मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश (14) दैनिक जागरण (12) मैसाम (10) मैथिली फिल्म (8) साक्षात्कार (8) मैथिली-भोजपुरी अकादमी (6) आलेख (5) ऑफिसक अवसर विशेष पर (3) झलक मिथिला (3) नवभारत टाइम्स (3) पाठकीय प्रतिक्रिया (3) बारहमासा (3) मैथिली पोथी (3) अखिल भारतीय मिथिला संघ (2) अछिञ्जल (2) अपराजिता (2) कथा मंचन (2) दीपक फाउंडेशन (2) मिथिला स्टूडेंट यूनियन (2) मिथिलांगन (2) मैथिली पत्र-पत्रिका (2) मैथिली लघु फिल्म (2) यात्रा संस्मरण (2) विश्व मैथिल संघ (2) सम्मानक सम्मानमे (2) हिन्दुस्तान टाइम्स (2) अस्मिता आर्ट्स (1) एकेडमी ऑफ़ लिटरेचर आर्ट एंड कल्चर (1) डी डी बिहार (1) देसिल बयना हैदराबाद (1) धूमकेतु आर्ट्स (1) भारती मंडन (1) मिथिला मिरर (1) मिनाप (1) मैथिली एलबम (1) मैथिली कथा (1) मैथिली जिन्दाबाद (1) मैथिली धारावाहिक (1) मैथिली पत्रकार (1) मैथिली लोकमंच (1) मैथिली संबोधन (1) विदेह (1) साझी धुआँ (1) साहित्य अकादेमी (1) साहित्यिक चौपाड़ि (1) स्वरचित (1) हिन्दी नाटक (1)

मुख्य पृष्ठ

Showing posts with label मैथिली लघु फिल्म. Show all posts
Showing posts with label मैथिली लघु फिल्म. Show all posts

Friday, May 25, 2018

मैथिली लघु फिल्म 'इतिहास (द प्राइड ऑफ मिथिला)' केर स्क्रीनिंग शो


चमन टेलीमीडिया प्रस्तुत वीर लोरिकक कथांश पर आधारित अनिल मिश्रा, जानबी झा, मुन्ना चमन,अतुल आदि अभिनीत आ किसलय कृष्ण निर्देशित मैथिली लघु फिल्म 'इतिहास (द प्राइड ऑफ मिथिला)' केर स्क्रीनिंग शो दीनदयाल उपाध्याय मार्ग,दिल्ली स्थित राजेन्द्र भवन मे संपन्न भेल। समारोहक प्रारम्भ गोसाओनिक गीत जय-जय भैरवि सँ भेल आ तदुपरान्त अतिथि लोकनिकेँ स्मृति चिन्हक रूपमे इतिहासक प्रिंटेड कप दय सम्मानित कएल गेल।

स्वागत भाषण इतिहास फिल्मक अभिनेत्री जानबी झा द्वारा कएल गेल। फिल्मक निर्देशक किसलय कृष्ण एहि फिल्मक निर्देशकीय अनुभव विस्तृत रूपमे साझा केलनि। मुख्य अतिथि डॉ. शेफालिका वर्मा, विशिष्ट अतिथि नीरज पाठक (उपाध्यक्ष मैथिली-भोजपुरी अकादमी), उद्घाटनकर्ता विनोद कुमार झा, सत्रक अध्यक्षता वरिष्ठ अभिनेता शुभ नारायण झा आ दिल्ली एनसीआर मे किछु गणमान्य व्यक्तित्व जे प्रायः मिथिला-मैथिली सँ जुड़ल प्रत्येक कार्यक्रम मे उपस्थिति रहैत अछि हुनका लोकनिक सान्निध्यमे २८ मिनटक फ़िल्म प्रदर्शनक उपरान्त परिचर्चाक क्रममे किछु त्वरित आ महत्त्वपूर्ण प्रतिक्रिया सेहो भेटल। वक्ता लोकनि नीक-बेजाए कएक टा पक्ष पर अपन-अपन दृष्टिकोण रखलनि। जानबी झा आ अतुल दू गोट कलाकार शूटिंग मे भेल अपन अनुभव सेहो साझा केलनि।

सञ्चालनक जिम्मा मनीष झा बौआभाइ केँ देल गेल छल आ अंत मे शुभनारायण झाक अध्यक्षीय वक्तव्य उपरान्त फ़िल्म निर्देशक आ एहि समारोहक आयोजक किसलय कृष्ण द्वारा धन्यवाद ज्ञापित कएल गेल। ए. के. दास आ रामबाबू सिंह मधेपुरक संयोजनमे आयोजित समारोह सफलतापूर्वक संपन्न भेल।

Sunday, May 20, 2018

इतिहास (द_प्राइड_ऑफ_मिथिला)


मैथिली लघु फिल्म इतिहासक जानकारी भेटैत अछि सन् १९८८ मे बनल 'यक्ष प्रश्न' सँ, तकरा बाद किछु-किछु समयांतराल पर लघु फ़िल्म अबैत रहल जेना 'अफ़वाह', 'कमला', 'द सस्पेक्ट', 'रक्ततिलक', 'कवि-कल्पना' आदि किछु लघुफ़िल्म जे वैश्विक स्तर पर प्रदर्शित आ प्रशंसित होइत रहल अछि। एहने कड़ी केँ आर बेसी मजबूती प्रदान करैत 'वीर लोरिक'क जीवन कथांश पर आधारित 'चमन टेलीमीडिया' केर प्रस्तुति, किसलय कृष्ण निर्देशित एवं अनिल मिश्रा, जानबी झा, मुन्ना चमन आदि अभिनीत मैथिली लघुफ़िल्म #इतिहास (द प्राइड ऑफ मिथिला)' आगामी २५ मई २०१८ क' (शुक्रदिन) दिल्लीमे पहिल शो आयोजित होमय जा रहल अछि।

दिल्लीमे आयोजित आजुक साहित्यिक चौपाड़ि सँ फारकैत भेटैत जे सभसँ पहिल सुखद समाद भेटल से छल लघु फ़िल्म #इतिहास'क निर्देशक किसलय कृष्ण सँ व्हाट्सएप केर माध्यम सँ ई टीजर एहि विश्वासक संग भेटब जे अनुज एकरा सोशल नेटवर्क पर पहिल रिलीजिंग अहीँक वॉल सँ हेबाक चाही। अपनेक एहि विश्वास हेतु हृदय सँ साधुवाद अग्रज!

एकर पहिल लुक देखलाक बाद एहि बात सँ आश्वस्त भेलौं जे जखन ई सम्पूर्ण रूपमे प्रदर्शित हएत त' एकहक दर्शकक ठोर चढ़त आ मैथिली लघु फिल्मक इतिहास मे 'इतिहास' एक सार्थक डेग सिद्ध हएत। समूचा टीमकेँ हार्दिक बधाइ आ मंगलकामना!

फ़िल्मक टीजर देखलाक बाद युवा अग्रज साहित्यकार अजित आजाद जीक महत्त्वपूर्ण प्रतिक्रिया :
"फिल्मक पर्दा पर मिथिलाक इतिहास अदौ सँ उपेक्षित रहल अछि। एहेन मे ई फ़िल्म अपन इतिहास-बोध आ अस्मिताक दृष्टिकोण सँ ऐतिहासिक उपलब्धि थिक। मिथिलाक कोन-कोन मे ई फ़िल्म देखाओल जयबाक चाही। विद्यापति समारोह मे अनिवार्य रूप सँ ई फ़िल्म देखेबाक व्यवस्था होइक। एकर फिल्मांकन उत्कृष्ट उत्कृष्ट अछि। डार्क आ चटख रंग दृश्य सभ केँ प्रभावी बनबैत अछि। मंगलमय अशेष शुभकामना।"