भाषा सेवा लेल आंशिक योगदान, अपने लोकनिक अवलोकनार्थ। क्लिक कय पढ़ल/देखल/सुनल जा सकैत अछि :

रिपोर्ट (63) अखबारक पन्ना (33) ऑडियो/वीडियो (21) मैथिली नाटक (19) कथा मैथिली (18) मैलोरंग (16) मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश (14) दैनिक जागरण (12) मैसाम (10) मैथिली फिल्म (8) साक्षात्कार (8) मैथिली-भोजपुरी अकादमी (6) आलेख (5) ऑफिसक अवसर विशेष पर (3) झलक मिथिला (3) नवभारत टाइम्स (3) पाठकीय प्रतिक्रिया (3) बारहमासा (3) मैथिली पोथी (3) अखिल भारतीय मिथिला संघ (2) अछिञ्जल (2) अपराजिता (2) कथा मंचन (2) दीपक फाउंडेशन (2) मिथिला स्टूडेंट यूनियन (2) मिथिलांगन (2) मैथिली पत्र-पत्रिका (2) मैथिली लघु फिल्म (2) यात्रा संस्मरण (2) विश्व मैथिल संघ (2) सम्मानक सम्मानमे (2) हिन्दुस्तान टाइम्स (2) अस्मिता आर्ट्स (1) एकेडमी ऑफ़ लिटरेचर आर्ट एंड कल्चर (1) डी डी बिहार (1) देसिल बयना हैदराबाद (1) धूमकेतु आर्ट्स (1) भारती मंडन (1) मिथिला मिरर (1) मिनाप (1) मैथिली एलबम (1) मैथिली कथा (1) मैथिली जिन्दाबाद (1) मैथिली धारावाहिक (1) मैथिली पत्रकार (1) मैथिली लोकमंच (1) मैथिली संबोधन (1) विदेह (1) साझी धुआँ (1) साहित्य अकादेमी (1) साहित्यिक चौपाड़ि (1) स्वरचित (1) हिन्दी नाटक (1)

मुख्य पृष्ठ

Showing posts with label दीपक फाउंडेशन. Show all posts
Showing posts with label दीपक फाउंडेशन. Show all posts

Sunday, May 06, 2018

'दीपक फाउंडेशन' द्वारा आयोजित 'संस्कृति एवं सभ्यता संरक्षण समारोह’

मावलंकर हॉल,कॉन्स्टिट्यूशन क्लब,दिल्लीमे 'दीपक फाउंडेशन' द्वारा आयोजित 'संस्कृति एवं सभ्यता संरक्षण समारोह'क अवसर पर मुख्य अतिथि डॉ. मुरली मनोहर जोशी, राज्यसभा सांसद प्रभात झा, दिल्ली भाजपा प्रदेश अध्यक्ष मनोज तिवारी,पूर्व सांसद महाबल मिश्रा सहित अनेको गणमान्य अतिथिक उपस्थिति रहल। स्वस्तिवाचन ओ दीप प्रज्ज्वलन सँ प्रारम्भ भेल एहि कार्यक्रमक स्वागत भाषण दीपक फाउंडेशन केर संस्थापक दीपक झा द्वारा कएल गेल। सभ्यता एवं संस्कृति विषय पर केंद्रित अतिथि लोकनिक वक्तव्य सारगर्भित रहल। उत्तराखंडक कलाकार समूह द्वारा नन्दा देवी यात्राक झाँकी सेहो आकर्षक रहल। ज्ञात हो कि कार्यक्रम मध्य नृत्य आ संगीतक क्रममे अन्यान्य राज्यक पारंपरिक नृत्य प्रस्तुति आ गायन मे मैथिलीक सुपरिचित गायक दिलीप दरभंगियाक हिन्दी-मैथिली मिश्रित गीतक प्रस्तुति सेहो रोचकता बनौने रखलक। सामाजिक क्रियाकलापमे सक्रिय किछु संस्थाक व्यक्तिकेँ सेहो मंच सँ शॉल आ स्मृतिचिन्ह सँ सम्मानित कएल गेल।
उक्त कार्यक्रम मध्य अर्चना भगवान जी मिश्र द्वारा अनुदित मैथिली सुन्दरकाण्डक पोथी आ दिलीप दरभंगियाक स्वरमे गाओल सीडी केर विमोचन सेहो कएल गेल। फाउंडेशन राष्ट्रीय स्तरक कार्यमे अपन संलग्नता रखैत अछि मुदा आजुक कार्यक्रममे दर्शकक उपस्थिति ९५% विशुद्ध मैथिलक छल जकर प्रमाण सांसद प्रभात झाक वक्तव्यक समय स्पष्ट देखना गेल,जाहिमे एक स्वरमे हुनका मैथिलीमे बजबा लेल निवेदन कएल गेल आ तदनुसार ओ एकरा आदरपूर्वक स्वीकारलनि। भव्यताक संग सम्पन्न ई आयोजन अनेकानेक दृष्टिकोण सँ सफल रहल।

Monday, July 25, 2016

संस्कृति संरक्षण हेतु प्रवासी लोकनि चिंतित

राष्ट्रीय राजधानी दिल्ली स्थित मावलंकर हॉलमे दीपक फाउन्डेशन आ विश्व मैथिल संघ केर संयुक्त तत्वावधनामे संस्कृति एवं सभ्यता संरक्षण समारोहकार्यक्रमक आयोजित कएल गेल. एहि कार्यक्रमकें सफल बनेबा लेल आमंत्रित अतिथि लोकनिमे राज्यसभा सांसद प्रभात झा, आरा सँ लोकसभा सांसद आ देशक पूर्व गृह सचिव आर.के.सिंह, हिन्दी फिल्म निर्देशक अभिनव कश्यप, असिस्टेंट कमिश्नर ऑफ़ इन्कम टैक्स रोहित देव झा आदिक गरिमामयी उपस्थिति रहल.

कार्यक्रम अपन निर्धारित समय सायं ३:०० बजे सदू घंटा बिलम्ब मने ५:०० बजेक करीब प्रारम्भ भेल. दीप प्रज्ज्वलन एवं महाकवि विद्यापतिक छायाचित्र पर माल्यार्पण केर उपरान्त गोसाओंनिक गीत जय-जय भैरविमैथिली गायक दिलीप दरभंगिया द्वारा गाओल गेल. ज्ञात हो कि उक्त फाउन्डेशन देशक विभिन्न हिस्सामे कला, साहित्य आ संस्कृति केर क्षेत्रमे कार्य करवाक लेल अग्रसर अछि तैं अन्यान्य क्षेत्रकें धेआनमे रखैत भाषा मैथिली,हिन्दी आ भोजपुरीक मिश्रण देखबामे आएल.

मंच सञ्चालन केर जिम्मा देल गेल छलनि अर्चना भगवान जी मिश्रा आ भगवान जी मिश्रा (दम्पति) कें. श्रीमतीक सञ्चालन क्षमता अद्वितीय छलनि जहिना उच्चारण तहिना सुन्दर प्रस्तुति शैली मुदा श्रीमान स्वयं मंच सञ्चालनमे हरेक दृष्टिकोण सनवसिक्खू सन बुझना जाइत छलाह. संचालक महोदय आयोजन समितिक सदस्य रहितो कार्यक्रमक रूपरेखा सपूर्ण अनभिज्ञ छलाह आ से बात दर्शकक मनोस्थिति देखि सद्यः बुझना जाइत छल. कार्यक्रम भलेही हिन्दी भाषाक प्राथमिकता रखैत आयोजित कएल गेल छल मुदा थोपड़ीक गरगराहट पंचानबे प्रतिशत मैथिलत्वकें प्रमाणित करैत रहल.

अतिथि सम्मान केर बाद किछु व्यक्ति विशेष केर सम्मान सेहो कएल गेला जाहिमे अखिल भारतीय मिथिला संघक अध्यक्ष विजय चन्द्र झा, भोजपुरी समाजसेवी कन्हैया सिंह, पत्रकार संजय चौधरी, विश्व मैथिल संघक संस्थापक हेमन्त झा आदि सेहो सम्मानित भेला. स्वागत भाषण फाउन्डेशन केर संस्थापक दीपक झा देलनि. अतिथि वक्तव्यमे पहिल आमंत्रण भेल युवा असिस्टेंट कमिश्नर ऑफ़ इन्कम टैक्स,दिल्लीक रोहित देव झा जे कि अपन मातृभाषा प्रति अनुराग देखबैत मैथिलीमे वक्तव्य देलनि. दोसर आमंत्रण छल फिल्म निर्देशक (दबंग) अभिनव कश्यपकें जे कि रोहित देवक मैथिली बजला सप्रभावित भएकरा मंच पर मैथिली एकजुटताक राजनीतिक रंग मानलनि . तेसर आमंत्रण छल राज्यसभा सांसद प्रभात झाकें जेकि अपन वक्तव्यमे अभिनव कश्यपक आपत्ति आ भ्रमकें दूर करैत हिन्दीक संग-संग मैथिली वा अन्य मातृभाषाक अस्मिताक महत्त्व सअवगत करौलनि. चारिम आ अंतिम वक्तव्य छल लोकसभा सांसद आर.के.सिंह केर जे संस्कृति पर बड़ा शोधल आ सटीक गप्प-सप्प रखैत पाश्चात्यक तुलना अपन सुव्यवस्थित संस्कृतिकें सर्वोपरि कहैत विराम देलनि.

सांस्कृतिक कार्यक्रम हेतु आमंत्रित कलाकार दिलीप दरभंगिया,सोनी झा,किशन कन्हैया,धीरज झा आ उद्घोषक छोटू कृष्णा आदि हिन्दी,मैथिली आ भोजपुरी मिश्रित भाषामे अपन नीक प्रस्तुति देबाक प्रयास केलनि आ एहि तरहें रात्रि ८:०० बजे धरि चलल ई कार्यक्रम शेष दर्शकक संग संपन्न भेल.