भाषा सेवा लेल आंशिक योगदान, अपने लोकनिक अवलोकनार्थ। क्लिक कय पढ़ल/देखल/सुनल जा सकैत अछि :

रिपोर्ट (63) अखबारक पन्ना (33) ऑडियो/वीडियो (21) मैथिली नाटक (19) कथा मैथिली (18) मैलोरंग (16) मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश (14) दैनिक जागरण (12) मैसाम (10) मैथिली फिल्म (8) साक्षात्कार (8) मैथिली-भोजपुरी अकादमी (6) आलेख (5) ऑफिसक अवसर विशेष पर (3) झलक मिथिला (3) नवभारत टाइम्स (3) पाठकीय प्रतिक्रिया (3) बारहमासा (3) मैथिली पोथी (3) अखिल भारतीय मिथिला संघ (2) अछिञ्जल (2) अपराजिता (2) कथा मंचन (2) दीपक फाउंडेशन (2) मिथिला स्टूडेंट यूनियन (2) मिथिलांगन (2) मैथिली पत्र-पत्रिका (2) मैथिली लघु फिल्म (2) यात्रा संस्मरण (2) विश्व मैथिल संघ (2) सम्मानक सम्मानमे (2) हिन्दुस्तान टाइम्स (2) अस्मिता आर्ट्स (1) एकेडमी ऑफ़ लिटरेचर आर्ट एंड कल्चर (1) डी डी बिहार (1) देसिल बयना हैदराबाद (1) धूमकेतु आर्ट्स (1) भारती मंडन (1) मिथिला मिरर (1) मिनाप (1) मैथिली एलबम (1) मैथिली कथा (1) मैथिली जिन्दाबाद (1) मैथिली धारावाहिक (1) मैथिली पत्रकार (1) मैथिली लोकमंच (1) मैथिली संबोधन (1) विदेह (1) साझी धुआँ (1) साहित्य अकादेमी (1) साहित्यिक चौपाड़ि (1) स्वरचित (1) हिन्दी नाटक (1)

मुख्य पृष्ठ

Showing posts with label मिथिला मिरर. Show all posts
Showing posts with label मिथिला मिरर. Show all posts

Monday, February 16, 2015

मैथिली पत्रकार : २०१४

फेसबुक पर मिथिला मिरर द्वारा नियमित कएल जा रहल पोस्ट के लिंकक माध्यम स’ समाद सभ संभवतः पढिते रहै छी मुदा समयाभावमे कोनो समाद पढ़बा स’ वंचित सेहो रहि जाइ छी । बहुत दिनक बाद कने फुर्सतक छनमे एहि वेबसाइटक कने बेसी त’ह धरि पैस गेलौं । निःसंदेह सम्पादक ललित नारायण झा, जूली रानी झा, राहुल राय,सुजीत कुमार झा आदि धन्यवादक पात्र छथि जे एकरा निरंतरता देइत गुणवत्ता बनाक’ रखने छथि ।

मिथिला मिरर बरख २०१४मे एक न’व परम्पराकें शुरुआत केलक अछि जे मिथिला-मैथिली लेल सक्रिय मैथिलजन जेकि बरख भरिमे विभिन्न क्षेत्रमे अपन-अपन अनुभवक आधार पर विशिष्ट योगदान द’ रहलाह अछि हुनका अपन वेबसाइटक बहुमूल्य पन्ना पर यथोचित स्थान द’ सम्मानित करबाक आ ताहि क्रममे “मैथिली पत्रकार : मिथिला मिरर-२०१४” हेतु चयनित बारह टा हीरा (हितेन्द्र गुप्ता,भास्कर झा,सुजीत झा,रुपेश त्योंथ,कृष्ण कुमार राय,ऋषि मलंगिया,राहुल राय,आदित्य झा,जितमोहन झा,दीपक झा,प्रकाश झा, सुनील कुमार झा)क मध्य हमरा सन एक साधारण पत्रकारकें स्थान सेहो देलनि, देखि आह्लादित छी आ सम्पूर्ण टीमकें एहि निष्पक्ष निर्णय आ पत्रकारिता दिस प्रेरित करबा हेतु हृदयस’ साधुवाद देइत अहाँ लोकनिक उज्ज्वल भविष्यक कामना करै छी ।

लिंक पर क्लिक क' अहूँ लोकनि देखि सकै छी ।