फेसबुक पर मिथिला मिरर द्वारा नियमित कएल जा रहल पोस्ट के लिंकक माध्यम स’
समाद सभ संभवतः पढिते रहै छी मुदा समयाभावमे कोनो समाद पढ़बा स’ वंचित सेहो रहि जाइ
छी । बहुत दिनक बाद कने फुर्सतक छनमे एहि वेबसाइटक कने बेसी त’ह धरि पैस गेलौं ।
निःसंदेह सम्पादक ललित नारायण झा, जूली रानी झा, राहुल राय,सुजीत कुमार झा आदि धन्यवादक पात्र छथि जे एकरा निरंतरता
देइत गुणवत्ता बनाक’ रखने छथि ।
मिथिला मिरर बरख २०१४मे एक न’व परम्पराकें शुरुआत केलक अछि जे मिथिला-मैथिली
लेल सक्रिय मैथिलजन जेकि बरख भरिमे विभिन्न क्षेत्रमे अपन-अपन अनुभवक आधार पर
विशिष्ट योगदान द’ रहलाह अछि हुनका अपन वेबसाइटक बहुमूल्य पन्ना पर यथोचित स्थान
द’ सम्मानित करबाक आ ताहि क्रममे “मैथिली पत्रकार : मिथिला मिरर-२०१४” हेतु चयनित
बारह टा हीरा (हितेन्द्र गुप्ता,भास्कर झा,सुजीत झा,रुपेश त्योंथ,कृष्ण कुमार राय,ऋषि मलंगिया,राहुल राय,आदित्य झा,जितमोहन झा,दीपक झा,प्रकाश झा, सुनील कुमार झा)क मध्य हमरा सन एक साधारण पत्रकारकें स्थान
सेहो देलनि, देखि आह्लादित छी आ सम्पूर्ण टीमकें एहि निष्पक्ष निर्णय आ पत्रकारिता दिस
प्रेरित करबा हेतु हृदयस’ साधुवाद देइत अहाँ लोकनिक उज्ज्वल भविष्यक कामना करै छी
।
No comments:
Post a Comment