भाषा सेवा लेल आंशिक योगदान, अपने लोकनिक अवलोकनार्थ। क्लिक कय पढ़ल/देखल/सुनल जा सकैत अछि :

रिपोर्ट (63) अखबारक पन्ना (33) ऑडियो/वीडियो (21) मैथिली नाटक (19) कथा मैथिली (18) मैलोरंग (16) मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश (14) दैनिक जागरण (12) मैसाम (10) मैथिली फिल्म (8) साक्षात्कार (8) मैथिली-भोजपुरी अकादमी (6) आलेख (5) ऑफिसक अवसर विशेष पर (3) झलक मिथिला (3) नवभारत टाइम्स (3) पाठकीय प्रतिक्रिया (3) बारहमासा (3) मैथिली पोथी (3) अखिल भारतीय मिथिला संघ (2) अछिञ्जल (2) अपराजिता (2) कथा मंचन (2) दीपक फाउंडेशन (2) मिथिला स्टूडेंट यूनियन (2) मिथिलांगन (2) मैथिली पत्र-पत्रिका (2) मैथिली लघु फिल्म (2) यात्रा संस्मरण (2) विश्व मैथिल संघ (2) सम्मानक सम्मानमे (2) हिन्दुस्तान टाइम्स (2) अस्मिता आर्ट्स (1) एकेडमी ऑफ़ लिटरेचर आर्ट एंड कल्चर (1) डी डी बिहार (1) देसिल बयना हैदराबाद (1) धूमकेतु आर्ट्स (1) भारती मंडन (1) मिथिला मिरर (1) मिनाप (1) मैथिली एलबम (1) मैथिली कथा (1) मैथिली जिन्दाबाद (1) मैथिली धारावाहिक (1) मैथिली पत्रकार (1) मैथिली लोकमंच (1) मैथिली संबोधन (1) विदेह (1) साझी धुआँ (1) साहित्य अकादेमी (1) साहित्यिक चौपाड़ि (1) स्वरचित (1) हिन्दी नाटक (1)

मुख्य पृष्ठ

Friday, November 24, 2023

साझी धुआँ (मैथिली कथा) भारती मंडन (युवा विशेषांक)

परमेसर बीस-बाइस बर्ख पूर्वहि दिल्ली आबि गेल छल । गामपर दुन्नू भाइमे भीन-भिनाउज भ’ गेल छै । माय एकरत्ती कड़क स्वभावक छै
दुन्नूमेसँ कोनो पुतौहसँ पटरही नै खाइ छै । बड़की तँ बेर-बेगरता बुझितो छैछोटकी अपने बड्ड झोंकाहि छै आ ताहि कारणे एको छन नै बनै छै । दुन्नू भाइमे परमेसर सेहो बेसी बुझनुक अछि आ अपन पत्नीकें बुझा-सुझाक’ संगमे दुन्नू बेटाकें अपन विधवा मायक सेवा हेतु गामेमे छोड़ि दिल्लीमे बहिन-बहिनोइ संग रहैत छल । बहिनोइ केर दस-बारह टा रिक्शा चलैत रहैकएकटा रिक्शा इहो चलबय लागल । दू बरखक बाद मायक मृत्यु उपरान्त आब पत्नी आ बच्चाकें अपना संगे रखैत अछि । बहिन-बहिनोइसँ अलग भ’ आब श्रीनिवासपुरीमे एक झुग्गी बना रहि रहल अछि । रिक्शा चला परिवारक गुजर आ दुनू बच्चाकें लगीचक सरकारी स्कूलमे पढ़बैत अछि । परमेसरक रिक्शा परिचालन क्षेत्र छैक ईस्ट ऑफ कैलाश । एहि ठामक सवारी कनिको दूरक किराया नीक जकाँ द’ दैत छैक कारण एहि ठाम वी.आइ.पी. लोक सभ बेसी रहैत छैक । बड़का-बड़का कोठी आ एकहक परिवारमे पाँच-पाँच टा कार मुदा कतौ लगपास जेबा लेल सहैब आ ओकर धियापुता सभ रिक्शा सेहो चढ़ैत छैक । कएक टा हाकिम तँ परमेसरकें आब ओकरा नामसँ बजबै छै कारण ओ शुरुहेसँ इएह क्षेत्र चुनने छै आ तैं स्थानीय लोकसभ चिन्हय लागल छैक । ईस्ट ऑफ कैलाशमे स्थानीय लोकक संग-संग ओकरा एकटा आर फायदा छैक जे एहि ठाम इस्कॉन टेम्पल सेहो छैक । दिल्ली आ बाहरक कोन-कोनसँ लोक बाँकेबिहारी आ राधारानी जीक दर्शन वास्ते अबैत अछि । मंदिर एबा-जेबाक क्रममे सवारी सभक संग जय श्री राधे नामक महामंत्रक बेर-बेर उच्चारण करैत ओकरा एक अलगे अनुभूति दैत छलैक । इस्कॉन टेम्पलसँ मेट्रो स्टेशन वा बस स्टेंडक सवारी सेहो खूब भेटै छै । अपन मेहनतिक बले इमानक आमदनीसँ बेस संतोष छलैक परमेसरकें आ ओ सभ तरहें आनंदित छल ।

परमेसरकें नोटबंदीक अगिला दिनसँ सवारी भेटब किछु कम भ’ गेल छैक आ गृहस्थी चलेबा लेल चिन्ता बढ़ब स्वाभाविक छल । चिन्हरबा सवारी तँ आब बेसी काल कारेसँ जाइत देखाइ दैत छैक । ओहो लोकनि खुदरा-खुदरीक चक्करमे एखन क्रेडिट कार्डसँ गाड़ीमे बेसिएक’ पेट्रोल भरबा लैत हेतैक । परमेसर कइए की सकैत छल ? हाथ हिलाक’ बाय-बाय क’ दैत छलैक । कॉलेजिया छात्र सभ पूछि दै “अरे भाई पेटीएम यूज करते हो ?” परमेसर जिज्ञासावश पूछैक “नहीं भैया ऊ क्या होता है ?”  कियो दोसर पूछि दैक “स्मार्टफोन रखे हो व्हाट्सैप,फेसबुक यूज करते हो?” फेर ओ सभ अपनेमे एक-दोसरकें बुझबैत कहैक “यार तुम भी नावो बेचारा रिक्शा चलाता हैस्मार्टफोन जानता भी नहीं होगा” फेर केओ टोकारा दैत कहै “अरे यार ! आजकल कौन व्हाट्सैप,फेसबुक यूज नहीं करता है ?” परमेसरकें धक् सँ मोन परलैकहलकै “हँ भैया ! ऊ बड़का बला फोन हमरा बड़का भगिना रखले हैकहियोकला छुट्टी बला दिनमे हमरा आ ऊ अपन मतारी-बाबू को गामक लोक सुन का फोटो देखाता है” पहिल छात्र दोसर दिस इशारा करैत “समझ गया ना” फेर कोनो आन छात्र परमेसरकें बुझेबाक चेष्टा करैत “जैसे फेसबुक और व्हाट्सैप चलता है ना, वैसे ही इन्टरनेट से पेटीएम एप्प चलता है इसमें फोटो-वोटो नहीं पैसा का ट्रांजेक्शन होता है” फेर एकटा छात्र सलाह दैत “स्मार्टफोन रख लोअभी काम आएगालोगों के पास भी अभी खुल्ले पैसे का दिक्कत होता है, पेटीएम कर दिया करेंगे”। परमेसरकें अपनो कएक बेर मोन भेल रहैक बड़का चायनीज मोबाइल किनबाक मुदा सालभरि नोत-हकार पूरैत-पूरैत हालत तेहेन पस्त भ’ गेल छैक जे एखन किछु दिन वास्ते विचार त्यागने छलखैर ! से तँ जे सेमुदा हब द’ ककरो संग अपन विवशता साझा करबासँ सेहो परहेज रखैत अछि ।

नोटबंदीसँ मात्र परमेसरहि नै, समूचा देश प्रभावित छल । की गरीब आ की धनिक । आम लोक बेबस छल । सरकारी तंत्र द्वारा बिना कोनो पूर्व इंतजामहिकें एहेन कठोर निर्णय थोपि देल गेल छल । आमलोक जनैत छल जे हल्लो-फसाद क’क’ सरकार ई डेग आपिस नै लेततैं कहुना अल्पव्यय करैत किछु समय वास्ते गुँजाइश करबाक क्षमता बढौलक । सत्ता समर्थक लोकनि पूर्ण समर्थन करैत एकरा सफल बनेबा लेल कृतसंकल्पित रहथि मुदा विपक्षी लोकनि एकर विरोधमे आन्दोलनक विभिन्न पैतरा सभ अपना रहल छलाह । गरीबक दैनिक खर्चमे बाधक हेबाक हवाला किछु विशेष देल जाइत छलैक । विरोधक केन्द्रमे भने गरीबक प्रति सहानुभूति देखेबाक चेष्टा भ’ रहल छलैक मुदा सत्य ई रहैक जे धनिक वर्ग आ बैंकर्स केर साँठ-गाँठसँ धनिक वर्गक रहन-सहन आ अन्य खर्चमे कोनो व्यवधान नहि होइत छलैक । कतेक लोक तँ दू नम्बरकें एक नम्बर करबा लेल जोखिम लैत खूब कमेबो केलक । जाँचमे आओल किछु लोकक साँठ-गाँठ सार्वजनिक होइतहि मीडियामे सेहो उजागर भेल आ कतेको लोक जेल गेल । एहेन समयमे जागरूक आ संपन्न लोक लग एकटा नीक विकल्प छल ऑनलाइन शॉपिंग केर जकर ओ लोकनि बेस लाभ उठा रहल छलाह । पे-टीएम सेहो लेनदेनक वास्ते बेस प्रयोगमे आबि गेल छल हालांकि इहो इन्टरनेट संचालित एक एप्प अछि तैं बहुत एहेन वर्गक लोक एकर प्रयोगसँ वंचित छल तथापि किछु एहेन खर्च छल जाहिमे नगद मात्र केर विकल्प छल, जेनाकि रिक्शा भाड़ाबस भाड़ापान-बीड़ी-सिगेरट आ एहेन बहुतो छोटछिन खर्च । ओना एकर नकारात्मक वा सकारात्मक जे किछु प्रभाव पड़ल होइक मुदा लोकक आपसी लेनेदेनमे सहयोगक भावना बढ़ल रहैक । जतय सहयोग बढ़तै ओतय सौहार्द्रता बढ़ब स्वाभाविक अछि ।

नोटबंदी भेले रहैक, मोहर दू-तीन दिन पर ऑफिसक निच्चा बला एचडीएफसी बैंक एटीएम पर घंटो-घंटा लाइनमे लागय आ एक दिनमे मात्र दू हजार टाका निकालि आवश्यक खर्च हेतु जोगाक’ राखय । पाइ अछैते कपचि-कपचिक’ खर्च करय । घरसँ दफ्तर एबाक-जेबाक माध्यम चार्टर्ड बस छलैक । संगमे डेबिट कार्ड आ दूटा ब्लैंक चेक तहिना साकांक्ष भ’ क’ राखय जेना मोबाइल आ रूमाल संगमे रखबाक एकटा रूटिन सन भ’ गेल रहैकतथापि प्रतिदिन एकटा जोखिम रहैत छलैक जे जतय दस-बीस टाका सन छोट खर्च हैत आ तेहेन परिस्थिति मे जँ पाइ निंघटि जायत तँ की करब । जाहि बातक डर छलैक एक दिन सएह भेलैक । हलफी बला जाड़ आ धोनिसँ पूरा दिल्ली शहर घुप्प अन्हार मुदा आजुक संजोग एहेन जे बसमे चढितहि एकटा सीट खाली देखललप्पसँ बैसि गेल कारण एहेन संजोग किन्साइते भेटैत छलैक । मोहर कने कालमे सीट पर बैसल गरमा गेल छल । नेहरू प्लेस आएब-जाएबक क्रममे बसक रूट वाया ईस्ट ऑफ कैलाश रहैक आ एहेन दुर्जोग जे ओतय अबैत-अबैत बसमे कोनो तकनीकी खराबी आबि गेलैक । कंडक्टर द्वारा सवारी सभकें किछु काल वास्ते बाहर प्रतीक्षा करबाक आग्रह कएल गेलैक । किछु गोटेक कहब छलै जे “बेसी बिलम्ब छह तँ किछु किराया वापिस क’ दएहहम सभ आगाँसँ कोनो बस पकड़ि लेब । मुदा ओ सभ जल्दी ठीक हेबाक आश्वासन दैत किराया वापिस नै केलकै । मोहरक संगमे एक मैथिल सहयात्री सेहो रहथि अभिषेक जिनकासँ किछुए दिन पूर्व मोहरकें नव-परिचय भेल छलैक । दुन्नू गोटे निच्चा आबि एकटा गाछ लग ठाढ़ भ’ गेलमुदा से बेसी काल ठाढ़ नहि रहि पाओल कारण गाछ पर जमल ओसक मोटका-मोटका बूँद जैकेट पर खसय लागल छलैक । ओ लोकनि सहटिक’ एकटा पानक दोकानक कातमे लागल रिक्शा लग ठाढ़ भ’ गेल आ अपनामे नोटबंदी समस्या पर गप्प करय लागल “भाइ देखियौ दस टाका दुआरे घेराएल छीसंजोग एहेन जे संगमे आइ दू हजरिया नोट तँ अछि मुदा दस टाका खुदरा नहि अछि” । बेचारे अभिषेक सेहो कोनो प्रतिक्रिया नहि देलथिनसम्भव होय जे ओहो ओहने समस्याक संभावनासँ आशंकित होथि वा संगमे जरूरतसँ फाजिल टाका नै होइन्ह ।

ई लोकनि गप्प करिते रहथि ताही क्रममे सोझासोझी नजैर गेलनि कारसँ उतरैत दू गोट युवती पर । दुन्नू युवती कार ओहिठाम कातमे ठाढ़क’ ससरिक’ च’ल एलीह पानक दोकान (खोका) पर । गपसपसँ दुन्नू सहकर्मी जकाँ लगैत छलि कारण ऑफिस बिलम्ब हेबाक बात सेहो क’ रहल छलि । दोकानदार सँ दूटा सिगरेट लैत नवका पंचसौआ नोट निकालि देलखिन मुदा दुकानदार लग ततबा खुल्ला नै रहैक आ तैं हुनके लोकनिसँ ओ खुदरा देबा लेल अनुरोध केलकनि । ओ लोकनि अपन-अपन वॉलेटमे एक बेर फेरसँ तकबाक प्रयास केलनि आ नै भेटला पर आपसी सहमति बनाय एक्कहि टा सिगरेटसँ काज चलेबाक नियार कयलनि । दुन्नू गोटे कार तक पैदल चलिते दू-दू कश लैत धुआँक छल्ला बनबैत गाड़ीमे चढ़ली आ ड्राइविंग सीट वाली युवती आधा जरिते सिगरेट सड़कक कातमे जुमाक’ फेक कार ड्राइव करैत विदा भ’ गेलीह । ताबैत मे मोहर आ अभिषेक दुनू मित्रक ध्यान गेलनि एक एहेन व्यक्ति पर जे देखलासँ असामान्य (पागल) सन लगैत छलओ अधजरू सिगरेट उठा दू-तीन कशमे समाप्त कय ओहो ओहिना धुआँइते फेकिक’ चल जाइत रहलै । ओ लोकनि जेम्हर मुँहे ठाढ़ भ’ ई दृश्य देखैत रहथि ठीक ओम्हरेसँ अबैत एक व्यक्ति ओकरा चप्पलसँ रगड़िक’ मिझबैत आ बड़बड़ाइत “ऊ तो पागल है ओकरा तो मत्थे नहीं है इसीलिए कोनो बाते नहीं आ ई पैसा बला सुन तो आर मथसुन्न होता है । एक तो जनानी होके सिगरेट धुकती हैकोमल करेज जराती है आ उप्पर से जरिते सिगेरट फेक देती है । बेसी इस्टाइल मारती हैराजादैब कहूँ आग लग गया तो ? आ ऊ पगलबा ऐसे थोड़े ही न’ नशेड़ी हो गया है !” कहैत आक्रोशित मुद्रामे आबि ओही रिक्शा पर बैसि गेल जाहि रिक्शा लग ठाढ़ भ’ ई लोकनि गप्प करैत रहथि । अस्सलमे ओएह ओहि रिक्शाक चालक छल आ अपन रिक्शा पर बैसि सवारीक प्रतीक्षा करय लागल । हिनका लोकनिकें मैथिलीमे गप्प करैत देखि कनेक काल किछु नहि बाजल मुदा ओकर मोन नहि मानलकैजिज्ञासावश पूछि देलकनि “आपलोग बिहार के हैं ?” अभिषेक प्रत्युत्तर दैत कहलखिन “हाँ बिहार से हैं हम लोगतुम्हारा घर कहाँ है ?” रिक्शावला बाजल “सर मैं भी बिहारी हूँमेरा घर पूर्णियाँ जिला है” मोहर पूछलकै “नाम की भेलह ?” रिक्शावला “परमेसर सदाय”, अभिषेक चट द’ कहलखिन “धू मरदे ! मैथिल कहक ने हौ ! बिहारी कियैक कहै छहक ?’ मोहर सेहो समर्थन करैत ओएह गप्प दोहरौलक “हँ परमेसरभाइ ठीके कहै छ्थुन तों पूर्णियाँकें रहनिहार छह तहन तँ सुच्चा मैथिल ने भेलहक हौ ?” रिक्शावला बिनु संकोचे बाजल “सर ! हम तँ मुसहर छियै”, मोहर बाजल “मैथिल माने तों की बूझै छहक ?” परमेसर बाजल “मैथिल तँ ब्राह्मण आर होइ छथिन ने !” मोहरक मोन जेना व्यथित भ’ गेलै “परमेसर अझुका बाद ई गप्प नहि बजिह’हम जातिक ब्राह्मण जरूर छी आ लोककें अपन परिचय बिहारी आ ब्राह्मणसँ पहिने मैथिल हेबाक दै छियै आ से ततबे अधिकारसँ तोंहू कहक” परमेसरकें जेना किछु ज्ञान भेटि गेलैउत्साहित स्वरमे बाजल “ठीक छै सर कने काल खातिर अहाँकें बात मानि लेली, अहाँ ई कहू जे हम अपन जाति भाइमे इएह गप्प कहबै तँ कोइ मानतै ?” मोहर ओकरा बुझबैत कहलकै “तों सभ ई अवधारणा त्यागह आ आइसँ गाँठ बान्हि लए जे अपन जाति भाइकें तँ बुझाइए दहक संगे आनो लोक सभकें कहक जे मिथिलामे रहनिहार सभ जाति मैथिल छी” । परमेसर बाजल “सर ! अहाँ भेंट भेली से बड्ड खुशी भेलहमरा आउर तँ पढ़ल-लिखल नै छियैकोई पढ़ल-लिखल लोक मिलै छथिन तँ कुछ ने कुछ सीखैए लेल मिलै हए । बात तँ ठीके कहली बिहारमे रहनिहार बिहारी तँ मिथिलामे रहनिहार मैथिल कियैक ने ? निम्मन लागल अहाँक गप्प ।”

अभिषेक दुन्नू गोटेक वार्तालाप सूनि मंद-मंद मुस्की संग हिनका लोकनिक सभ गप्पमे सहमति रखैत नोटबंदी बला ज्वलंत मुद्दा दिस गप्प मोड़बाक प्रयास करैत बाजल “परमेसर एकटा बात कह’ तँ ऐ नोटबंदीसँ तोरा सभकें कोन फर्क पड़लह अछि ?” परमेसर एकरत्ती उदास स्वरमे बाजल “सर ! फर्क तँ बड्ड पड़ै छैहमरा आउर तँ रोजिन्ना कमाक’ खाइ बला लोक छियै”.......अभिषेक बिच्चहि मे टोकैत “जा ! तँ तोरा कोन दिक्कत छहतोहर आमदनी तँ रोज नगदिए ने छह हौ ?” परमेसर बाजल “से तँ नगदिए छै मुदा नगद देनिहार आउर लग अखनी टाकाकें एत्तेक टान रहै छै जे पहिने नाहित सवारिए नै जूमै छैबुझू जे कहुनाक’ सीबि-साटिक’ घरक काम चलबै छियै ।" मोहर परमेसरक मोन टेबैत “मुदा इहो सरकार अतत्तह क’ देने छैकह’ तँ गरीबक कोन दोख छैबेचारा सभ भरि-भरि दिन लाइनमे लगै छै तखन जाक’ बैंक दू हजार टाका दै छै”, परमेसर उतंगिक’ बाजल “सर अहाँ सभ पढ़ल-लिखल लोक छियै तबो एहेन गप बाजै छियै ?”, मोहर चौंकल “कोन एहेन गप्प कहि देलियह हौ परमेसर?”, परमेसर छुटिते बाजल “ऐमे सरकारक कोन दोख छै सर एगो बात कहू तँ कोन एहेन गरीब हइ जकरा बैंकमे एत्ते पैसा होतैक आ रोजिन्ना दू-दू हजार टाका खरच भ’ जेतै ?” मोहर टोकैत “एक आदमी तँ चारि-पाँच दिनक बादे ने जाइत हेतैक हौ ?” परमेसर बाजल “नै यौ सर ! हमर भगिना नितरोजो जाइ हइ लाइनमे लागयओकरे नाहित पाँच गो आउर बेरोजगार छौंरा सभ ज’रे जाइ हइ । दू-तीन घंटा खड़ा रहै छै आ जकर पैसा निकालिक’ लाबै छै से एक गोरेकें दू-दू सए टाका दै हइ”, अभिषेक उत्सुक होइत “ऐं हौ परमेसर ई सभ ककर पाइ निकालै छै रोज ?” परमेसर व्यंग्य करैत “अहूँ आउर टेबै छी हमरा ? आइ ऐ बाबूक टाकाकाल्हि ओहि बाबूक टाका आ ई बाबू आउर तँ आर सभटा सिस्टम बिगाड़ि देने हइ, देशकें नाशक’ देने हइ” । अभिषेक हँसैत ओकर पेटक गप जानय चाहैत अछि “अही बहन्ने रोजगार तँ भेटलै ने हौ !” परमेसर चट सँ बाजल “से कत्ते दिनका वास्ते,अहाँ अपने सोचियौ । जब सब कुछ ठीक भ’ जेतै तकरा बाद एकरा आउरकें के पुछतै ? तब चोरिए चकारी ने करतै ? ई कोनो गुण नै ने भेलै यौजै पर नोकरी रोजगार मिलतै”......ओ आक्रोशमे बजने जा रहल छल “हमर भगिना हइ तै लागी अपना बहिन आ पहुना लग कुछो नै बोलै छियै’नै तँ हमरा ओइ छौंरा पर शंका हए जे अखनी बड़का-बड़का लोक लग पैसाकें टान हइ आ ओ यों टाकें चाइनीज मोबाइल आठ हजारमे किनलकै ग’, खैर जाए दियौ जब बापे-मतारीकें कोनो खोजबीन नै हइ तँ हमरा कोन काम हए” ।

मोहर ओकरासँ किछु आर मोनक गप्प लेबाक हेतु अभिषेक दिस ताकि “भाइ सरकार ई निर्णय बड्ड गलत लेलकैदेखियौ तँ ई बेचारा सभ कत्तेक परेशान छै” । परमेसरकें नै रहल गेलै “से कियै कहै छियै सर हमरा तँ बड्ड खुशी भेल जहिया सरकार नोटबंदी केलकै । लोक जत्ते दू-नम्बरी पैसा दबने छेलै सभटा देखार होतै । ऐं यौ सर एगो बात कहू ! कहियो एक्को गो काम बिना घूसकें कोइ करै हइ राशन कार्डमे गेलियै नाम जोड़ब’ तँ बलू पाँच सौ लगेगाआधार कार्डमे बलू तीन सौ लगेगा । सरकार थोड़ेकबे ने ई पैसा लै छै । ई बाबू सहैब आउर सरकारकें बदनाम केने हइ । एहने-एहने दू-चारि गो आर काम करितै ने तब ओकरा आउरकें पता चलितै जे मेहनैत आ इमानदारीसँ एगो घर बनबैमे जिनगी कोना बीत जाइ हइ ।” अभिषेक बाजल “ऐं हौ परमेसर ! तोहर सवारी कमि गेलह अछि आ तहियो तों सरकारेक संग छहक ?” परमेसर आत्मविश्वास देखबैत बाजल “देखियौ सर ! सरकारक एत्ते बड़का निरनेमे तँ सभकें ने सहजोग करक चाही ! हम जाही जोगर छियै तेहने सहजोग करबै, अहाँ जाही जोगर छियै तेहने सहजोग करबै । बैमान आउरकें अखनी खबख्ब्बी छूटल हइ देखै नै छियै गरीबक नाम पर कत्ते राजनीति करै जाइ हइकहलकै ने ! जेना कते हीत ! चालिसे बरखक उमेरमे सभकें देखने छियै । हमरा आउर लेखे फूल छाप बला सरकार होइ आ कि हाथ छाप बला, जे केन्ने छै से मोन राखने छियै । इन्दिरा आवास मिलबे केलैबीपीएलमे नाम हेब्बे करैगैस कनेक्शन मिलबे केलै । सभ सरकार गरीब लै काम क’ जाइ छै । निच्चा बला दललबा आउर हमरा आउरकें मुरूख बूझि औंठा छाप ल’ क’ सभटा पाइ खा जा हइ ।”

मोहर ओकर बातक समर्थन करैत “परमेसर ऐ नोटबंदीमे तों केहेन सहयोग करै छहक सरकारकें से नै बुझलियह ?” परमेसर मोफलर सँ कान झंपैत “देखियौ सर ! अखिनते कुछ देर पहिने देखलियै ने दू गो धनिकहा मैडम केना खुदराक अभावमे एक्के गो सिगरेटमे साझी क’ क’ पिलकै आ जरलाहा फेकलकै तँ ऊ पगलबा पिलकै ।” दुन्नू मित्र टकटकी लगौने परमेसर दिस तकैत रहल आ ओ बजैत गेल “ई कोनो पहिल लोक नै छेलखिन जे बाँटिक’ सिगरेट पिलखिनदिन भरिमे कता गोटेकें देखै छी । अखैन धनिकसँ धनिक लोक गरीब भ’ गेल हइबैंकमे ढेरी पैसा हइ मगर नगदी बेरामे ठनठन गोपाल । हम तँ धनिकहा आर से कुछो सीखी ने सीखी एगो गप्प तँ सिखली”, मोहर ओकर बात पूरा होइ सँ पहिने टोकैत “ऐं हौ सिगरेट पीनिहारसँ कोन ज्ञान भेटै छह ओ कोनो नीक गप्प थोड़े भेलै ?” परमेसर जवाब दैत “नै सर नीक गप्प तँ नहिएबड्ड अधलाह गप्प भेलैमुदा बाँटि-मीलिक’ पिलकै से तँ नीक भेलै ने । सीखै बला गप्प ई भेलै जे अखैन हिलिमिलिक’ गुजर करबाक समय छै” । अभिषेक टोकैत “माने नै बुझलियह परमेसर !” परमेसर उतारा दैत “एमकी दुर्गा पूजामे बाल बच्चा आउर घर गेल रहै । हमर घरवाली कहलकै जे ऐ बेर छठि गामेमे करबै । हमरो जेबाक छेलै मुदा हम बेराम पड़ि गेलियैनै जा पेलियै । गाममे हमरा दुन्नू भाइक परिवार दू जग हइ ! छोटका भाइ जतबे शुद्धा ओकर घरवाली ततबे हड़काहि । रोज कुछो ने कुछो छोटछिन गप लै दुन्नू दियादिनी लड़ैत रहै छेलै । एगो परोछ्क बात हइ ऊ बेचारी हमर बड्ड धाख करै छै । हम जहिया कहियो दिल्लीसँ जाइ छियै हमरा खातिर नीक-नुकुत चीज बनाक’ द’ जाइ हइ । पूरा टोलाक लोक ओकरा बदमाश कहै छैहँ जुबानक ओ कड़गर जरूर हइ मगर आत्मामे कुछो नै रखै हइ । सभटा खरापी ओकरे मे नै छैलोक खौंझाइयो दै छै । किछ लोहोक दोख आ किछ लोहारोक दोख ।”

परमेसर ओहि दुन्नू गोटेकें अप्पन परिवारक सदस्य जेना बूझि पारिवारिक गप्प करैत निरन्तर बजैत रहल “देवउठान एकादशीक परात फोन केने रहियै । सभटा बच्चा रमझौहरि करैत रहै । पुछलियैकै लए धियापुता आउर हल्ला करै छह ऊ कहलकै जे विसेसरकें बच्चा आउर जरे खेलाइ हइ ! पुछलियैऊ दुन्नू परानी अबै जाइ छह कि नहि सर ! की कहू घरवालीक जवाब सूनिक’ जे हमरा आश्चर्य लागल से की कहू !” मोहर उत्सुक होइत “कोन एहेन गप्प कहलकह हौ ?” परमेसर गम्भीर होइत बाजल “ऊ कहलकै जे आबिते जाइत नहि हइदुन्नू संझुका खेनाइयो छोटकीए बनबै हइ । जहियासँ नोटबंदी भेलै ओकरा हमरे चिन्ता रहै हइ । ई जे पुरनका पंचसौआ नोट आउर देने रहै खरच करै लै से तँ कोई लेब्बे नै करै छैफेन विसेसरकें कहलियै ऊ बेचारा भरो दिन लाइनमे लगलै तब जाक’ दू हजार बदलेलै । छोटकी कहलकै जे बलू हिनका अभी नगदीकें टान होतनिसे ज’रे भनसा क’ लेबै । पाँच गोरेकें खेनाइ बनिते हइ आर तीन गोरेकें सिदहा लागि जेतै तँ कोन फरक पड़तै । जएह कनिके तेले-मसल्ला कम खरच हेतैकने गैसे कम जरतै । कहिओ जे विसेसरकें तीमन-तरकारी लै पैसा दै हियै तँ मनाक’ दै हइ जे बलू राखौअखनी पैसाकें काम होतैबच्चा आउर छोट हइ, दिल्ली जाइ बेरामे बाटमे खरच होतै । सर ! हम कहि ने सकै छीसुनिते मातर हमर रोइंयाँ कोना खड़ा भ’ गेल रहै । हम कने कला खातिर गुम्म पड़ि गेल रहियै ई सोचि जे लोक हमरा भाइकें अलबौका कहै छैहमरा भाबोकें लोक हड़काहि कहै छै । हम अपना घरवालीकें फोन पर नीक नाहित बुझौलियै जेअखनी  जकरा आउरकें ढेरी रुपैया हइ सेहो आउर हिलिमिलिक’ काम चलबै छै आ हमरा आउर तँ सभदिने फक्कर ही । ओनाहितो हम कत्ता बेर तोरा बुझौने छियह जे कखैनतो आनि-इरखा नै राखौ मोनमे । ओनहियो ई जेठ हइएकर सेहो कोनो फर्ज हइ । देखौ जे ऐ बेर-बेगरतामे अखनी अपने भाइ-भाबो काम एलै । ई गप्प एहिठान अपना बहिनीकें जब सुनौलियैओ तहिये सँ कहलकै जे अखनी तोंहू अहिना कर । हमरो पाँच गोरेकें पलिवार चलिते हए, तों असगरे छें अहीठिना खा लिहें । हम रोज रातिक’ घुरती कलामे तरकारी कीनिक’ नेने जाइ छियै । ओहो आर खुशहमहूँ खुश ।”

दुन्नू मित्रकें ऑफिस पहुँचबामे बिलम्ब जरूर भ’ रहल छलैक मुदा परमेसरसँ गप्प करैत बेस मोन लागि गेल छलैकआर किछु सुनबाक इच्छा छलैक मुदा बस गंतव्य धरि जेबा लेल तैयार छलमोहर आ अभिषेक अपन सीट पर आबि बैसि गेल । दुन्नू मित्र एकटा रिक्शाचालकक सकारात्मक सोचआत्मसम्मानआत्मज्ञान ओ निःश्छल भावनाकें एतेक लगीचसँ जानि क्षुब्ध छल ।

प्रकाशित : भारती मंडन 
(मैथिलीक बहुआयामी लेखनक अनियतकालीन पत्रिका)
अंक : १७ (युवा विशेषांक), वर्ष-सितंबर,२०२३ 
प्रकाशक : किसुन संकल्प लोक,सुपौल (बिहार)   

Thursday, November 10, 2022

अमृता झा, मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश (राग-रंग)

मधुबनी जिलान्तर्गत बसैठ चानपुरा निवासी अमृता झा केर रूचि नान्हिए टा सँ मिथिला पेन्टिंगक प्रति रहलनि अछि । आरके कॉलेज मधुबनी सँ बीएससी शिक्षा प्राप्त केला बाद अपन एहि रुचिकें व्यावसायिक रूप देबा लेल माया झा केर संरक्षण मे वर्ष २००६ मे मिथिला पेन्टिंगक विधिवत शिक्षा लेलनि । विवाहक उपरान्त दिल्ली प्रवास मे एला उत्तर एहि मे तन्मयतापूर्वक लागि गेलीह आ विभिन्न सरकारी एवं गैर-सरकारी संस्था आदि सँ आबद्ध भ’ एकरा विस्तार देबा मे लागि गेलीह । हिनक पहिल जुड़ाव एक गोट गैर-सरकारी संस्था “अपना कोना” सँ भेल जाहि कारणे स्थानीय लोकक बीच हिनक पेन्टिंग बेस पसीन कएल जा लागल । निरन्तरता देबाक क्रममे सरकार द्वारा कला-संस्कृतिक प्रोत्साहन हेतु “दीनदयाल अन्त्योदय योजना”क अन्तर्गत दक्षिण दिल्ली जिला मे स्थानीय जिलाधिकारीक संरक्षण मे संचालित “फ्लैगशिप योजना” सँ जुड़लीह जकर लाभ विभिन्न रूपमे भेट रहलनि अछि, जेनाकि उचित पारिश्रमिक आ दिल्ली एवं लगीचक क्षेत्र मे पैघ सँ पैघ मॉल होइ वा सामूहिक मेला आदि मे निःशुल्क स्टॉलक उपलब्धता आदि ।

मिथिला पेन्टिंगकें विभिन्न वस्तु ओ विभिन्न आकृति देबाक क्रममे सूती कपड़ा, सिल्क, जूट, कैनवास, लकड़ी, देबाल, डायरी, धोती, साड़ी, पाग, डोपटा, शॉल, चादर, सूट, बंडी, कोट कुर्ता, मास्क, तोरण, विवाह-उपनयन आदि मे प्रयुक्त होमय बला वस्तु सभ पर जेनाकि कोहबर, अहिबातक पातिल आदि, रास, सीता स्वयंवर, विभिन्न देवी-देवता आदिक संग-संग आधुनिक उपकरण जेनाकि लैपटॉप बैग, की-चेन, ज्वेलरी बॉक्स, बुक मार्क्स, ईयर रिंग, कुशन कवर, बैग आदि पर चित्रित करबामे दक्ष छथि ।     

यूट्यूब पर “माई मधुबनी कल्चर (My Madhubani Culture)” नाम सँ संचालित चैनल पर वीडियो सभ सेहो अपलोड करैत रहैत छथि । अपन एहि कला कौशल कें विस्तार देबा लेल सक्रिय रूप सँ अन्यान्य सोशल नेटवर्क जेनाकि फेसबुक, इन्स्टाग्राम आदिक सेहो भरपूर उपयोग कय रहलीह अछि । एहि ठाम हिनक बनाओल पेन्टिंगकें सेहो बेस पसीन कएल जाइत अछि जकर कारण हिनका लेल ई व्यावसायिक प्लेटफॉर्म विक्रयक हेतु सुलभ भ’ जाइत छनि ।

मिथिला पेन्टिंग कला मे निपुण अमृता झा प्रोत्साहन ओ समर्थन हेतु अपन पति प्रफुलचन्द्र झाक विशेष आभार दैत छथि कारण हुनक सहयोगक बले स्वतंत्र निर्णय लैत आगाँ बढैत रहबाक स्वप्न साकार क’ रहल छथि । नारी सशक्तिकरण केर पक्षमे हिनक स्पष्ट मत छनि जे जखन आधुनिक समाजमे पुरुष आओर स्त्रीकें समान रूप सँ आगाँ बढबाक अवसर भेट रहल छनि तँ जे महिला जाहि कोनो विधा मे कुशल छथि सएह ल’ आत्मविश्वासक संग सोझा आबथि आ अधिकारपूर्वक अपन सपना साकार करथि ।

Thursday, September 29, 2022

बोस (सुभाष चन्द्र बोस), मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश (राग-रंग)

रंगसंस्था ‘बारहमासा मैथिली नाटकक संग-संग हिन्दी नाटकक क्षेत्रमे सेहो समय-समय पर उपस्थिति दर्ज करबैत रहल अछि । गोल मार्केट, दिल्लीक नजदीक भाई वीर सिंह मार्ग स्थित ‘मुक्तधारा सभागार मे विश्वम्भर उपाध्याय लिखित नाटक ‘बोस (सुभाष चन्द्र बोस)’क मंचन बारहमासा द्वारा कएल गेल । महात्मा गाँधी सँ मत भिन्नताक पश्चात कांग्रेस अध्यक्ष पदक त्याग करैत, राजसी ठाठ मे पलल-बढ़ल सुभाष चन्द्र बोस जमीनी स्तर सँ संघर्ष करैत ब्रिटिश साम्राज्य सँ स्वतंत्रता प्राप्ति लेल सैन्य विद्रोहक जे रास्ता चुनलनि ताहिमे हुनक तीक्ष्ण बुद्धि, चातुर्य कौशल आ सांगठनिक क्षमताक जे किछु प्रमाण भेटैत अछि से देशक युवा, आम नागरिक आ राजनीतिक लोकनिक वास्ते अनुकरणीय आ बेस प्रेरक अछि । वीर सेनानी सुभाष चन्द्र बोस वास्तवमे नेताजी रहथि से उक्त नाटकक माध्यम सँ हुनक कृत्तित्व आ विराट व्यक्तित्त्वकें दर्शाओल गेल अछि ।

दिल्लीमे नाटकक मंचन निरन्तर होइत रहल अछि जाहिमे अधिकाधिक चयनक विषय सामाजिक असमानता, शोषण, गरीबी आदि रहैत अछि मुदा भारतीय स्वतंत्रता मे अपन सर्वस्व न्यौछावर केनिहार एहेन वीर सेनानी पर केन्द्रित ई नाटक वास्तवमे अपन राष्ट्रनायकक त्याग आ समर्पणक प्रति गौरवबोध करबैत अछि ।

मंच पर सुभाष चन्द्र बोसक भूमिका मे नवोदित मुदा अभिनयक क्षेत्रमे कम्मे समयमे परिपक्व होइत अभिनेता मनु कुमार झाक उपस्थिति दर्शक लोकनिक ध्यानाकर्षण करबामे बेस सफल रहल । सुप्रिया सत्यम (कैप्टन लक्ष्मी), नितीश कुमार झा (हिटलर), मनीषा मिश्रा (सूत्रधार आ लक्ष्मी रेजिमेंटक सिपाही), मायानन्द झा (उत्तमचंद आ सेठ किरोड़ीमल), अमन गुप्ता (मिर्जा आ शाहनिवाज), रोहित कुमार (महात्मा गाँधी आ कैप्टन मोहन सिंह), टेन्जीन बोध (जवाहर लाल नेहरु),निर्भय कर्त्तव्य (भगतराम आ ढिल्लन), रौशन सिंह (कर्नल हंट), राजेश कुमार बेनी (अफ़गान सिपाही), शुभम (सहगल), पूनम सिंह (लक्ष्मी रेजिमेंटक सिपाही), वन्दना (लक्ष्मी रेजिमेंटक सिपाही), रवित चावला (बालवीर) एवं सैनिक समूहमे तरुण झा, लालू कुमार, ऋत्विक राज, करन चौहान आदि लोकनिक उपस्थिति छल ।

मंचक पाँछा दीपक ठाकुर (संगीत), राहुल चौहान (प्रकाश), डालचन्द (वस्त्र विन्यास), पूनम सिंह आ मनीषा मिश्रा (वस्त्र सज्जा), नितीश कुमार एवं रोहित कुमार (रूप सज्जा), तरुण झा (प्रस्तुति प्रबंधन), राजेश बेनी (मंच प्रबंधन), अमन गुप्ता (पार्श्व ध्वनि) आ मनु कुमार झा (सह-निर्देशन) केर सहयोग सँ सफलतापूर्वक संपन्न एहि नाटकक निर्देशन केलनि मैथिली एवं हिन्दीक वरिष्ठ रंगकर्मी मुकेश झा ।

Wednesday, September 07, 2022

मैथिली कथा गोष्ठी, मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश (आयोजन उपरान्त समाद)

मैथिली साहित्य महासभा द्वारा विगत रवि'क साँस नव दिल्ली स्थित संस्कार भारती सभागार मे मैथिली कथा गोष्ठीक आयोजन संपन्न भेल,जे मूलतः कथा पाठक आयोजन छल आ एहि मे नव प्रवेशीक अधिकांश सहभागिता रहल, जे मैसाम द्वारा पहिनहिं सँ सुनिश्चित छल । राष्ट्रीय

राजधानी मे एक दशक बाद कोनहूँ गैर-सरकारी संस्था द्वारा आयोजित एहि गोष्ठी मे कुल सत्रह कथाकार कथा पाठ कयलनि । एहि गोष्ठी अध्यक्षता कयलनि सुपरिचित साहित्यकार डॉ. आभा झा आ विशिष्ट अतिथिक रूप मे मैसामक पूर्व सचिव संतोष राठौड़ उपस्थित छलाह । गोष्ठीक कुशल संचालन युवा कवि मनीष झा “बौआभाइ' कयलनि ।

एहि मैथिली कथा गोष्ठी मे शैलेन्द्र झा 'आत्मसम्मान', मनोज कर्ण मुन्नाजी 'बॉस' 'ठेकनगर', हेमन्‍त झा 'अपन-अपन सोच''महत्वाकांक्षा', भावना मिश्रा “ककर दोख', मुन्नी कामत 'तरसैत आँखि' 'भ्रष्टाचार', रेणु दास “बुद्धो पीसी', निशा झा 'विडम्बना', कुन्दन कर्ण 'रेबाज' आ “गरूड़-पुराण' शीर्षक, चित्रलेखा अंशु “बूझब', अमरेश चौधरी '"प्रेमक स्मृति आ आस', अमन आकाश “प्रेमक सिंगरहार', जगदानन्द झा मनु 'हारि' 'एसगर' शीर्षक, मुकेश दत्त 'सुग्गा सन बोल', कुमार मनोज कश्यप 'वेदना' आ “आकाश कुसुम', नीरज कर्ण “रिटायर्ड” आ “छुच्छे', शिव कुमार सिंह 'दहेजक दानव' आ सुभाष कामत “मातृभाषा''मैथिली' शीर्षक कथा , लघुकथा, बिहनि कथा आदिक पाठ कयलन्हि ।

कार्यक्रमक अध्यक्षता करैत साहित्यकार डॉ. आभा झा कहलनि जे मैथिली साहित्य महासभा द्वारा एहि कथा-गोष्ठीक आयोजन सँ हम अभिभूत छी । अत्यंत अनुशासित आ व्यवस्थित गोष्ठी संपन्न भेल । कथाकारक सभक कथा सुंदर आ विचारशील छल । एहि कथा गोष्ठीमे स्त्रीमन, दिव्यांग संग अपेक्षित मानवीय व्यवहार, गाम-शहर पर केन्द्रित, आत्मविश्वास आ मातृभाषाकें प्रतिष्ठित करए बला कथा सभक पाठ प्रस्तुत भेल । गोष्ठी मे स्त्री-पुरुष कथाकारक सहभागिता उल्लेखनीय रहल । 

सोशल मिडियाक फेसबुक पर हम सभ मैथिल छी समूह पर उक्त कथागोष्ठी'क लाइव प्रसारण देखि साहित्यकार शैलेन्द्र शैली कहलन्हि जे मैसाम द्वारा उठाओल ई डेग सकारात्मक अछि, मुदा पठित कथा सभ पर समुचित समीक्षाक व्यवस्था रहने गोष्ठी मे सम्मिलित कथाकार सभ लेल मार्गदर्शनक काज क' सकितैक । शैली कहलन्हि जे गोष्ठी मे पठित अधिकांश कथा कथ्य, शिल्प आ भाषाक स्तर पर झुझुआन सन लागल । मैथिली कथा जाहि उचास धरिक यात्रा तय क' चुकल अछि, से नवागंतुक रचनाकार के बुझल रहबाक चाही आओर एहि लेल बेसी पढ़बाक बेगरता अछि । ओ कहलन्हि जे मैसाम के भविष्य मे एहेन आर आयोजन करैत एखटा कार्यशालाक रूप देबाक चाही । 

विशिष्ट अतिथि संतोष राठौड़ अपन वक्‍तव्यमे मैसाम द्वारा कथा-गोष्ठी आयोजन के महत्वपूर्ण बतौलनि । ओ कहलनि जे मैसामक नियमित गतिविधि मे एकटा आओर नव कार्यक्रमक बढोतरी मैथिली साहित्य कें प्रगतिशील बनाएत । 

Saturday, September 03, 2022

मैथिली कथा गोष्ठी, मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश (आयोजन पूर्व समाद)

लगभग 10 वर्ष बाद दिल्ली मे भ' रहल अछि मैथिली कथा गोष्ठीक आयोजन 

एकटा पैघ अन्तरालक उपरान्त राष्ट्रीय राजधानी नव दिल्ली मे मैथिली कथा पाठ सँ सम्बन्धित कार्यक्रम कथा गोष्ठी केर आयोजन कयल जा रहल अछि । एहि सँ पूर्व मैलोरंग द्वारा करीब दस वर्ष पूर्व “सगर राति दीप जरय” श्रृंखला केर वृहद कथा गोष्ठी'क स्मरणीय आयोजन भेल छल, जाहि मे भारत-नेपाल'क अनेको मैथिली स्रष्टा अपन सहभागिता दर्ज करौने रहथि ।

आब एकटा पैघ अन्तरालक उपरान्त मैथिली साहित्य महासभा द्वारा काल्हि ४ सितम्बर २०२२ कें कथा गोष्ठीक आयोजन कयल जा रहल अछि । आइटीओ'क दीनदयाल उपाध्याय मार्ग पर अवस्थित संस्कार भारती'क सभागार मे ई आयोजन साँझ'क ४ बजे सँ ७ बजे धरि चलत ।

हालक वर्ष मे मैथिली साहित्यक परिदृश्य मे सक्रिय भेल कवयित्री आ लेखिका डा. आभा झा एहि गोष्ठीक अध्यक्षता करतीह, तँ संचालन करताह युवा कवि मनीष झा बौआभाइ । सोशल एक्टिविस्ट संतोष राठौड़'क विशिष्ट आतिथ्य मे प्रसिद्ध कथाकार शैलेन्द्र कुमार झा सहित मनोज कर्ण आ दर्जनो नवोदित कथाकार अपन कथाक पाठ करताह । मैथिली कथाक विकास मे कथा गोष्ठी (सगर राति दीप जरय)क महत्वपूर्ण भूमिका रहल अछि ।

एक प्लेटफार्म पर सभ पीढ़ीक कथाकार आ आलोचकक जुटान होइत रहल अछि आ कथा पर त्वरित प्रतिक्रिया संग तकर शल्यचिकित्सा कतेको समृद्ध कथाकार प्रदान कयलक अछि मैथिली साहित्य कें । एहि तर्ज पर मैसाम द्वारा आयोजित कथा गोष्ठीक डेग स्वागतेय अछि ।

उमेद अछि जे गोष्ठी मे उत्कृष्ट कथा सभ प्रस्तुत हयबे करत , संगहि राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र मे मैथिली कथाधारा आ समीक्षाक अनेको वरिष्ठ आ अनुभवी व्यक्तित्व' उपस्थिति समीक्षकीय दिशा निर्देश प्रदान करै जेताह । निश्चित रूप सँ मैसाम अध्यक्ष सुनित ठाकुर, संजीव सिन्हा, हेमन्‍त झा, कन्त शरण आदि द्वारा उठाओल गेल ई सकारात्मक डेग थिक ।