स्वतंत्रता
दिवसक सुअवसर पर १५ अगस्त २०१६क’ मैथिली रंगमंच
दिल्लीक संस्था मैलोरंग अपन पंजीकृत कार्यालय एमएलआर स्टूडियो थियेटर, शकरपुर,दिल्लीमे नाट्य
मंचन केर आयोजन केलक. एहि आयोजनमे मैलोरंगक किछु नवप्रशिक्षु आ किछु प्रशिक्षित
रंगकर्मी लोकनिकें नाटकक चयन,निर्देशन ओ
अभिनय हेतु स्वतंत्र निर्णय लेमय हेतु अधिकृत क’ देल गेल छलनि.
ज्ञात
होकि मैलोरंग अपन प्रयोगधर्मिता वास्ते जानल जाइत अछि आ ओएह प्रयोगक क्रममे एकटा
अद्भुत प्रयोग छल एकल अभिनय मंचन. ई प्रयोग प्रथमतः अपनहि कार्यालय आ सीमित दर्शकक
संग कएल गेल ताकि भविष्यमे एकल अभिनय के सार्वजनिक मंच पर सेहो अनबाक प्रयास करत
मैलोरंग. एहिमे छ: गोट कथाकारक कथा पर आधारित छ: गोट अभिनेता एकल अभिनय आ अपने ऊहि
स’
स्वयं के निर्देशित केला जेकि एक-स’-बढिक’-एक मने
उपराउपरी. नाटकक भाषा हिन्दी आ मैथिली मिश्रित छल.
अभिनय आ
नाटकक क्रम एहि तरहें छल- १. कथा-ठेस (हिन्दी), लेखक-फणीश्वरनाथ रेणु,अभिनय-नीतिश कुमार झा २. कथा-मत रो पापा (हिन्दी), लेखक- उमाशंकर सिंह, अभिनय-राजीव रंजन ३. कथा- कप्तान और सौदागर (हिन्दी), लेखक- सूर्यकांत त्रिपाठी निराला,अभिनय-रमण कुमार, ४. कथा-लीप सेकण्ड (हिन्दी),लेखक-इंदिरा
दाँगी,अभिनय-विवेक कुमार ५. कथा-अगाध प्रेम (हिन्दी),लेखक-शरतचंद चट्टोपाध्याय,अभिनय-संजीव कुमार बिट्टू ६. कथा-ललका पाग (मैथिली), लेखक-राजकमल चौधरी, अभिनय-ज्योति झा आ ७. हरिजन गाथा (हिन्दी),लेखक-बाबा नागार्जुन,अभिनय-रोशन यादव.
मंचनक
उपरान्त अन्तमे पूजा प्रियदर्शिनी,नेहा आ आकाँक्षा पाल द्वारा विशेष रूप स’ तैयार कएल गेल देशभक्ति गीत “देश मेरा रंगीला” पर नृत्य प्रस्तुत कएल गेल आ एहि तरहें सीमित समयमे प्रयोग
कएल गेल मंचनक ई नवरूप देखबामे आएल. मंच सञ्चालन-मनोज पाण्डे, लाइट-ऋतुराज,कैमरा-संजीव बिट्टू,
संगीत-दीपक ठाकूर, स्वर-राजीव रंजन,
सम्पूर्ण मार्गदर्शन-मुकेश झा आ प्रकाश झा, अन्य सहयोग-नीरा झा,सोनी झा आदि. मंचनक उपरान्त कीर्तन-भजन, देशभक्ति गीत,पारम्परिक गीत आदिमे हारमोनियम पर दीपक ठाकुर, ढोलक पर ऋषि मलंगिया आ गायन राजीव रंजन झा “रॉकस्टार” केर संग हास्य
विनोदक संग सफलतापूर्वक संपन्न भेल.
No comments:
Post a Comment