भाषा सेवा लेल आंशिक योगदान, अपने लोकनिक अवलोकनार्थ। क्लिक कय पढ़ल/देखल/सुनल जा सकैत अछि :

रिपोर्ट (63) अखबारक पन्ना (33) ऑडियो/वीडियो (21) मैथिली नाटक (19) कथा मैथिली (18) मैलोरंग (16) मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश (14) दैनिक जागरण (12) मैसाम (10) मैथिली फिल्म (8) साक्षात्कार (8) मैथिली-भोजपुरी अकादमी (6) आलेख (5) ऑफिसक अवसर विशेष पर (3) झलक मिथिला (3) नवभारत टाइम्स (3) पाठकीय प्रतिक्रिया (3) बारहमासा (3) मैथिली पोथी (3) अखिल भारतीय मिथिला संघ (2) अछिञ्जल (2) अपराजिता (2) कथा मंचन (2) दीपक फाउंडेशन (2) मिथिला स्टूडेंट यूनियन (2) मिथिलांगन (2) मैथिली पत्र-पत्रिका (2) मैथिली लघु फिल्म (2) यात्रा संस्मरण (2) विश्व मैथिल संघ (2) सम्मानक सम्मानमे (2) हिन्दुस्तान टाइम्स (2) अस्मिता आर्ट्स (1) एकेडमी ऑफ़ लिटरेचर आर्ट एंड कल्चर (1) डी डी बिहार (1) देसिल बयना हैदराबाद (1) धूमकेतु आर्ट्स (1) भारती मंडन (1) मिथिला मिरर (1) मिनाप (1) मैथिली एलबम (1) मैथिली कथा (1) मैथिली जिन्दाबाद (1) मैथिली धारावाहिक (1) मैथिली पत्रकार (1) मैथिली लोकमंच (1) मैथिली संबोधन (1) विदेह (1) साझी धुआँ (1) साहित्य अकादेमी (1) साहित्यिक चौपाड़ि (1) स्वरचित (1) हिन्दी नाटक (1)

मुख्य पृष्ठ

Sunday, April 24, 2016

सार्थक,सुखद आ स्मरणीय यात्रा (संस्मरण)

ब्लॉग पर विगत किछु मास ससक्रिय नैं भपाबि रहल छलौं कारण किछु व्यक्तिगत कार्य आ पारिवारिक दायित्त्व निर्वाह हेतु निरंतर व्यस्तता. विगत १ अप्रैल २०१६ स१८ अप्रैल २०१६ धरि राष्ट्रीय राजधानी दिल्ली सबाहर राज्यक राजधानी पटना ओ दरभंगाक व्यक्तिगत यात्रा पर छलौं. दिल्ली प्रवास (२००२) केर पश्चात सभससार्थक,सुखद आ स्मरणीय यात्रा कहबाक चाही. फोटो एहिठाम क्लिक क' क' देखल जा सकैत अछि. 


०१.०४.२०१६- पटना पहुँचल आ संध्या काल पटना जंक्शनक सोझा स्थित महावीर मंदिर मे मनोकामना सिद्ध श्री हनुमान जीक दर्शन कएल.
०२.०४.२०१६- एम.ए. (मैथिली) पहिल पत्रक परीक्षा.
०३.०४.२०१६-बिहार म्यूजियम केर डिप्टी डाइरेक्टर डॉ. सुनील कुमार झा (बहिनोइ) केर आवास पर भेंटघाँट आ भोजन व्यवस्था.
०४.०४.२०१६- एम.ए. (मैथिली) दोसर पत्रक परीक्षा.
०५.०६.२०१६- बुद्धा स्मृति पार्क, पटना मे बिहारक गौरवशाली इतिहासक झलक लेजर शो (संगीत ओ ध्वनि) द्वारा अति आकर्षक दृश्यक अवलोकन कएल.
०६.०४.२०१६- एम.ए. (मैथिली) तेसर पत्रक परीक्षा.
०७.०४.२०१६- अस्थायी आवास पर किछु शारीरिक अस्वस्थता कें कारणें पूर्ण विश्राम.
०८.०४.२०१६- एम.ए. (मैथिली) चारिम पत्रक परीक्षा.
०९.०४.२०१६- गंगा घाट पर संगीतमय आ अति आकर्षक गंगा आरती कें पूर्ण आनंद लेल.
१०.०४.२०१६- पटना संग्रहालय मे साहित्यकार मित्र ओ श्रेष्ठजनक सानिध्यता मे आयोजित साहित्यिक चौपारि मे शिव कुमार मिश्र, भैरव लाल दास, श्याम दरिहरे, नारायण झा, गुँजन श्री, नवलश्री पंकज,बालमुकुन्द पाठक,अमित पाठक,रघुनाथ मुखिया,अविनाश कुमार,अनुपम कुमार आदिक संग सहभागी बनबाक सुअवसर भेटल आ तदुपरान्त युवा मित्र लोकनिक संग चाहक दोकान पर हास्य-विनोदक संग कुल्हर केर सोन्हगर चाहक रसास्वादन कएल.
१०.०४.२०१६- पर्यावरण एवं वन विभाग, बिहार (चिल्ड्रेन पार्क) केर नाओं (इक्को पार्क) सुनल छल जिज्ञासावश ममिऔत सोनूक संग पहुँचलौं, पार्कक क्षेत्र आ सजावट दिल्लीक कोनो पार्क सउन्नैस नैं मुदा अति पाश्चात्य संस्कृति मे रंगल बिहारक युवक-युवतीक निर्लज्जतापूर्ण कामवासना रूपी प्रेमक किरदानी लिखबा जोगर नैं. खैर कन्नी काटि दर्शनीय भाग दिस ससरलौं आ नाव खेबन क्षेत्र दिस सआपसी मे      
११.०४.२०१६- एम.ए. (मैथिली) पाँचम पत्रक परीक्षा.
१२.०४.२०१६- एम.ए. (मैथिली) छठम पत्रक परीक्षा.
१२.०४.२०१६- आजुक दिन किछु युवा साहित्यकारक संग रात्रिकालीन भोजन केर वेवस्था छल नवल श्री पंकज जी केर आवास पर जदेखल जाए तएहि यात्राक सभसबेसी स्मरणीय दिन रहल हमरा वास्ते. हिनका लोकनि द्वारा देल गेल सम्मान आ सिनेह पाबि अभिभूत छी . ई युवा लोकनि एक साहित्य सृजनकर्ता केर संग-संग अन्यान्य विधा आदि पर सेहो ततबे हस्तक्षेप रखैत छथि. नवल श्री पंकज, गुँजन श्री, बालमुकुन्द पाठक, अमित पाठक, अविनाश कुमार आदिक संग बिताओल ओ रतिजग्गा जकर एक-एक क्षण साहित्यिक आ सांगीतिक चर्च-बर्च मे सार्थक रहल कखन भोरक साढ़े छः बाजि गेल बुझबो मे नैं आएल.  
१४.०४.२०१६- एम.ए. (मैथिली) सातम पत्रक परीक्षा.
१५.०४.२०१६- संध्या काल डाक बंगला चौराहा पर अद्भुत आ मनोरम झाँकी केर दृश्य देखबाक अवसर भेटल.
१६.०४.२०१६- एम.ए. (मैथिली) आठम आ अंतिम पत्रक परीक्षा.
१७.०४.२०१६- पटना सदरभंगा केर यात्रा
१८.०४.२०१६- दरभंगा मे श्यामा माइअक दर्शन आ सिद्ध मनोकामना मंदिर मे संकटमोचन हनुमान जीक दर्शन आ दिल्ली हेतु प्रस्थान.

विशेष धन्यवाद :
अग्रज कौशल कुमार जीक सद्प्रयास समैथिली विषय सएम.ए. करबाक विचार कएल आ पटनामे परीक्षा केंद्र हेबाक कारणें एहि अविस्मरणीय ओ सुखद जतराक श्रेय भैया अहींकें.

पटना आवासमे १६ दिन धरिक सेवा हेतु केशव चौधरी (सोनू) आ हुनक सहपाठी विकास जी (द्वय), प्रभात जी आ आलोक जी जे अनुजक पूर्ण धर्म निमाहला ताहि हेतु कृतज्ञ छी. अहाँ लोकनि अपन लक्ष्य ओ जीवनक एक-एक डेग पर सफल होए से हमर शुभकामना !
एकटा साहित्यकार आ अतिथिकें की सम्मान हेबाक चाही से सहजहि सिखल जा सकैत अछि भाइ नवलश्री पंकज,गुँजन श्री, बालमुकुन्द पाठक,अमित पाठक, आ अविनाश जी अहाँ लोकनि स’. हम अंतरात्मा सअहाँ लोकनिक आभार प्रकट करै छी आ भविष्यक साहित्यकार ओ समाजसेवी कें रूप मे अहाँ लोकनि एकटा निस्सन खाम्ह प्रतीत भरहल छी.
दरभंगाक डेढ़ दिना जतरामे अनुज तुल्य छोट साढू अभिराम ठाकुर आ सारि स्नेहा जी द्वारा भेटल आदर ओ सेवा आजीवन याद रहत आ संगहि भाइजी आनंद ठाकुर ओ अनुज अजीत बाबू संग बिताओल एक-एक क्षण अविस्मरणीय रहत.