भाषा सेवा लेल आंशिक योगदान, अपने लोकनिक अवलोकनार्थ। क्लिक कय पढ़ल/देखल/सुनल जा सकैत अछि :

रिपोर्ट (63) अखबारक पन्ना (33) ऑडियो/वीडियो (21) मैथिली नाटक (19) कथा मैथिली (18) मैलोरंग (16) मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश (14) दैनिक जागरण (12) मैसाम (10) मैथिली फिल्म (8) साक्षात्कार (8) मैथिली-भोजपुरी अकादमी (6) आलेख (5) ऑफिसक अवसर विशेष पर (3) झलक मिथिला (3) नवभारत टाइम्स (3) पाठकीय प्रतिक्रिया (3) बारहमासा (3) मैथिली पोथी (3) अखिल भारतीय मिथिला संघ (2) अछिञ्जल (2) अपराजिता (2) कथा मंचन (2) दीपक फाउंडेशन (2) मिथिला स्टूडेंट यूनियन (2) मिथिलांगन (2) मैथिली पत्र-पत्रिका (2) मैथिली लघु फिल्म (2) यात्रा संस्मरण (2) विश्व मैथिल संघ (2) सम्मानक सम्मानमे (2) हिन्दुस्तान टाइम्स (2) अस्मिता आर्ट्स (1) एकेडमी ऑफ़ लिटरेचर आर्ट एंड कल्चर (1) डी डी बिहार (1) देसिल बयना हैदराबाद (1) धूमकेतु आर्ट्स (1) भारती मंडन (1) मिथिला मिरर (1) मिनाप (1) मैथिली एलबम (1) मैथिली कथा (1) मैथिली जिन्दाबाद (1) मैथिली धारावाहिक (1) मैथिली पत्रकार (1) मैथिली लोकमंच (1) मैथिली संबोधन (1) विदेह (1) साझी धुआँ (1) साहित्य अकादेमी (1) साहित्यिक चौपाड़ि (1) स्वरचित (1) हिन्दी नाटक (1)

मुख्य पृष्ठ

Sunday, June 19, 2016

सफल रहल मैलोरंगक पहिल दिनक मंचन ‘आब मानि जाउ’





मैथिली रंगमंचक चर्चित संस्था मैलोरंग द्वारा दिनांक-१८ जून २०१६ (शनिदिन) कराष्ट्रीय नाट्य विद्यालय,दिल्ली केर सम्मुख सभागार मे ३:३० बजे आ ६:३० बजे क्रमशःदू टा शो केर सफल मंचन कएल गेल. स्व. अनिल चन्द्र ठाकुर लिखित ओ मैलोरंग प्रकाशन सप्रकाशित मैथिली उपन्यास आब मानि जाउकेर नाट्यान्तरण मैलोरंगक रंगमंडल प्रमुख मुकेश झा द्वारा कएल गेल अछि. स्त्री विमर्श पर आधारित एहि नाटकमे गरीब आ शोषित समाजक नारीकें केंद्र मे राखि तत्कालीन समयक जमींदार लोकनिक दुराचारी स्वभाव, चरित्रहीनता आ अमर्यादित बेवहारकें उजागर करैत आडम्बरी समाजक मुँह पर थापड़ मारबाक एकटा सचेष्ट प्रयास कएल गेल अछि. नारी भोग विलास मात्रक वस्तु नैं अपितु दृश्य ओ अदृश्य शक्तिक द्योतक सेहो अछि.

नारी जा धरि बन्हनमे अछि ता धरि ओ शोषित अछि मुदा जहिया आत्मबल वा दृढ़संकल्पता ओकर समर्थन करब प्रारम्भ कदेइत अछि फेर तओ रणचंडी बनि प्रकट भजाइछ आ एहने सन भाव देखल जाइछ एहि नाटकक आलोकमे. परिकल्पना आ निर्देशन छलनि प्रकाश झाक. मंच पर-बुचिया (सोनिया झा), गिरधर (मुकेश झा), कुलदेव (मनोज पाण्डे),माय (नीरा झा), कनियाँ (पूजा प्रियदर्शिनी),काकी (सोनी झा),भागीरथ बाबू (मायानन्द झा), र (निखिल गुप्ता), संगी (रोशन,संजीव आ नितीश), कथावाचक (राजीव रंजन झा,रमण कुमार,ऋतुराज आ संजीव बिट्टू) आदि. मंचक पाँछा- संगीत (दीपक ठाकुर आ राजीव रंजन झा), वादन (अजीत,रामविनय मंडल आ विवेक), नृत्य (रमण आ पूजा), प्रकाश (श्याम साहनी आ सोनू पिलानी), अभिनय प्रशिक्षण (अमरजीत राय), सहायक निर्देशन (मनोज पाण्डे) आदि.

पहिल दिनक दोसर खेपक समाप्तिक बाद मंच सं दिल्लीक बुराड़ी सं आम आदमी पार्टीक विधायक संजीब झा मैलोरंगक समस्त कलाकारकें बधाई दैत मंचित नाटकक भूरि-भूरि प्रशंसा केलाह. संजीब कहला जे बहुत दिन सं इच्छा छल जे मैथिली नाटक देखितौ, बेर-बेर प्रकाश झा जी दिस सं हकार सेहो भेटैत रहल छल मुदा समयक अभावे शामिल नहि भए सकैत रही, मुदा आई अहिठाम अपन मैथिल समाजक बीच आबि नीक लागि रहल अछि. संगहि संस्थाक निर्देशक प्रकाश झा द्वारा संस्थाक रिहर्सलक लेल एकटा जगह देवाक आग्रह पर विधायक कहला जे हम अहि विषय पर दिल्ली सरकारक संग मिलि प्रयासरत्त छी आ निश्चित रूपहिं हम मैलोरंगक लेल किछु ने किछु करब.

मैलोरंग द्वारा विगत दस बर्खमे दिल्ली प्रवासी रंगप्रेमीक संख्यामे एतेक वृद्धि कचुकल अछि जे छोटछीन हॉलमे मंचन करब आब मोसकिल सन भजाइत छैक. उपरोक्त सभागारमे सीमित सीटक संख्या आ अपन प्रेक्षकक अनुमानित संख्याक आंकलन करैत एहि नाटकक चारि खेप करबाक नियार केलनि अछि जाहिमे पहिल दिनक दू बेर नाटक मंचित भेल आ शेष दू बेर रवि दिन सेहो होमय जा रहल अछि. मोन पारि दी जे विगत किछु बर्ख समैलोरंग द्वारा अपन वा अन्य संस्था सआबद्ध वरिष्ठ रंगकर्मीकें ज्योतिरीश्वर सम्मान आ युवा रंगकर्मीकें श्रीकान्त मंडल सम्मान ससम्मानित कएल जाइत रहल अछि आ एहि बेर चयनित छथि ज्योतिरीश्वर सम्मान हेतु उदय नारायण सिंह नचिकेताआ श्रीकान्त मंडल सम्मान हेतु फिल्म आ रंगमंचक चर्चित युवा अभिनेता अनिल मिश्रा. ई सम्मान समारोह अछि १९ जून २०१६ (रविदिन) कअंतिम खेपक नाटक संध्या ६:६० बजेक नाटक प्रारम्भ हेबा सपूर्व.